नई दिल्ली। वेदांत अर्थात ज्ञान क पराकाष्ठा। नाम क अनुरूप अछि अनिल अग्रवाल क कंपनी वेदांत रिसोर्सेज, बॉक्साइट, तांबा, लौह-अयस्क आ संभवतः आब कच्चा तेल क धनी देश भारत मे विश्वविद्यालय स्थापित करए चाहैत अछि। भारत क एखन धरिक कारोबारी इतिहास मे तेल क एहि पैघ सौदा कए अमली जामा पहिरेनिहार अग्रवाल 50 अरब डॉलर क वेदांत रिसोर्सेज क प्रवर्तक छथि। अग्रवाल आब ब्रिटेन मे रहैत छथि, मुदा अनिल अग्रवाल क संबंध बिहार स अछि। विकीपीडिया क अनुसार 56 वर्षीय अग्रवाल मैट्रिक क परीक्षा पटना क मिलर हाई स्कूल स पास केलथि। बिहार आअ सेहो देश क सबस पिछड़ल राज्य मे स एक मानल जाइत अछि। अग्रवाल क मित्र रहल राष्ट्रीय जनता दल क प्रमुख लालू प्रसाद हाथ मे 15 साल तक बिहार क बागडोर रहल अछि।
भारत क कईटा राजनीतिज्ञ क करीबी अग्रवाल स्टरलाइट इंडस्ट्रीज क स्थापना वर्ष 1976 मे केने छलाह, जे हुनकर पहिल कारोबारी उद्यम छल। गौरतलब अछि जे लालू प्रसाद सेहो अपन राजनीतिक कॅरियर क शुरुआत 1977 मे लोकसभा लेल चुनाव जीत संसद पहुंच कए केलथि।
उल्लेखनीय अछि जे वर्ष 2001-02 मे केंद्र सरकार क एकटा कंपनी खरीदलाक बाद स्टरलाइट चर्चा क केंद्र मे आबि गेल छल। कंपनी बाल्को मे 51 फीसदी हिस्सेदारी 551.5 करोड़ टका मे कीनलक जे बाद मे तत्कालीन राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन सरकार लेल नासूर साबित भेल। बाद मे केद्र मे सत्ता परिवर्तन क बाद स्टरलाइट लेल छत्तीसगढ़ स्थित कंपनी मे आओर अधिक हिस्सेदारी कीनबा मे दिक्कत भ रहल अछि।
बिहार क लाल क तेज कारोबारी चाल
Published: August 21, 2010Posted in: हाट-बाजार
