आब टिसन पर मैथिली मे उद्घोषणा


मधुबनी। आखिरकार मिथिला विकास परिषद, कोलकता क प्रयास स मधुबनी रेलवे स्टेशन पर मैथिली भाषा मे उद्घोषणा शुरू भ गेल। 31 जुलाई कए रेलवे स्टेशन पर यात्री क सुविधा क मांग सहित मैथिली भाषा मे उद्घोषणा क मांग कए लकए रेलवे अधीक्षक यूएनराय क घेराव परिषद क सदस्य सब केने छलाह। जेकर बाद समस्तीपुर रेल मंडल क मुख्य सहायक वाणिज्य व्यवस्थापक एएस जायसवाल स फोन पर आंदोलनकारी क गप भेल आ एक तारीख स मैथिली मे उद्घोषणा कए स्वीकृति भेटला पर स्टेशन अधीक्षक श्रीराम मेमो सं. एस/एमडीएच/2010 द्वारा मैथिली मे उद्घोषणा प्रारंभ करबाक निर्देश देलथि अछि। आब उम्मीद कैल जा रहल अछि जे जल्द मिथिला मे अवस्थित आन टिसन पर सेहो मैथिली मे उद्घोषणा शुरू भ जाएत।