नई दिल्ली। भारत क सबस गरीब राज्य मे स एक बिहार मे भ रहल साकारात्मक बदलाव पर विश्व बैंक सेहो मुहर लगा देलक अछि। विश्व बैंक कहलक अछि जे हर दिशा मे सुधार क बदौलत इ राज्य प्रगति क पथ पर अग्रसर अछि। एकर पाछु सबस पैघ कारण कानून व्यवस्था मे सुधार कए बताउल गेल अछि। विश्व बैंक एहि संबंध मे बयान जारी करि कहलक अछि,’ बिहार मे हर तरफ बदलाव साफ देखल जा सकैत अछि। राज्य सरकार व्यापक तौर पर सुधार कार्यक्रम चला रहल अछि। राज्य क आय आ विकास खर्च, दूनू बढ़ल अछि।Ó गरीबी मे कमी आ राज्य मे आर्थिक वृद्धि दर बढ़बा क देश पर प्रभाव पड़बाक सेहो संभावना अछि। 2007 तक बिहार मे आर्थिक वृद्धि दर काफी मंद छल आ राज्य क सार्वजनिक सेवा आ ढांचागत सुविधा क स्थिति देश मे सबस खराब छल।
बिहार मे बदलाव पर विश्व बैंक क मुहर
Published: March 15, 2010Posted in: हाट-बाजार
