नबीनगर लेल कोयला आवंटन कए मंजूरी

नई दिल्ली। केंद्र सरकार बिहारक औरंगाबाद स्थित नबीनगर सुपर थर्मल सहित 5टा बिजली संयंत्र कए ईंधन क आपूर्ति कए मंजूरी द देलक अछि। एहि ताप बिजली परियोजना क उत्पादन क्षमता 7260 मेगावॉट अछि। इ सुपर क्रिटिकल ताप बिजली संयंत्र कम कोयला क खपत करबाक संग-संग पर्यावरण क अनुकूल होएत। कोयला मंत्रालय क बयान मे कहल गेल अछि, ‘कोयला मंत्रालय कोल इंडिया लिमिटेड कए अधिकृत केलक अछि जे ओ एहि पांचो बिजली परियोजना कए लेटर ऑफ एश्योरेंस (एलओए) जारी करए, जाहि स एहि परियोजना पर आगू क काम शुरू भ सके।Ó एहि परियोजना कए 12वीं योजना क अवधि मे पूरा हेबाक छैक। बुनियादी ढांचा पर बनल कैबिनेट समिति 1200 मेगावॉट क्षमता क नबीनगर सुपर थर्मल पॉवर प्रोजेक्ट, औरंगाबाद क लेल उपकरण मंगेबाक लेल स्वीकृति पिछला साल दे चुकल अछि। स्थायी लिंकेज समिति क 12 नवंबर, 2009 आ 29 जनवरी, 2010 कए भेल बैठक मे एकर 12वीं योजना मे शुरू हेबाक उल्लेख भेल अछि।

Related posts:

  1. पटना मे लागू भ रहल पेयजल लेल यूरोप सन व्यवस्था
  2. अक्टूबर तक पूरा भ जाएत सीतामढ़ी-बैरगनिया बड़ी लाइन
  3. बख्तियारपुर-ताजपुर कए जोड़बा लेल बनत पुल
  4. ब्रिटानिया मुजफ्फरपुर मे स्थापित करत एक्सपोर्ट पार्क
  5. विश्व बैंक देलक छह अरब टका