बरौनी-कटिहार रेल लाइन क दोहरीकरण क कार्य पूरा

पटना । सोनपुर मंडल क बरौनी-कटिहार रेलखंड क दोहरीकरण क काज लगभग पूरा भ चुकल अछि। थाना बिहपुर स नौगछिया तक क 16 किमी क रेलवे लाइन क निर्माण कार्य भ चुकल अछि। एहि रेलखंड स निरीक्षण गाड़ी क लगातार परिचालन भ रहल अछि। नव निर्मित रेलखंड क निरीक्षण आइ रेलवे संरक्षा आयुक्त पूर्वी सर्किल आरपी यादव केलाह। लगातार तेज गति स ट्रेन क गुजरबाक संभावना कए देखैत आसपास क ग्रामीण कए रेल लाइन स दूर रहबाक सलाह देल जा रहल अछि।

Related posts:

  1. पटना मे सेहो चलत मेट्रो रेल
  2. समस्तीपुर मे स्टेनलेस स्टील वैगन क निर्माण शुरू
  3. लक्ष्य स पाछु अछि बिहार क सात रेल परियोजना
  4. अगिला साल शुरू होएत हरनौत कोच फैक्ट्री मे उत्पादन
  5. चार्टेड विमान रनवे स फिसलल, नहि शुरू भेल सेवा