सूरज क तपिश स रोशन होएत गाम क थाना

पटना। घुप्प अनहार मे केरोसिन क सहारे गाम क थाना मे बैसल दरोगा जी लेल नीक समाद। आब ओ दूधिया रोशनी मे प्राथमिकी दर्ज करि सक।ताह, वायरलेस दुरुस्त रखबा लेल खास मशक्कत नहि करताह आ गर्मी मे पंखा सेहो चला सकताह। पुलिस मुख्यालय प्रदेश क ग्रामीण क्षेत्र मे स्थित दू सौ थान मे सौ ऊर्जा प्लेट लगेगाक फैसला केलक अछि। इ प्लेट ओहि थाना मे लगाउल जाएत जतए बिजली क कोनो व्यवस्था नहि अछि। डीजीपी आनंद शंकर कहला जे पुलिस आधुनिकीकरण योजना क तहत इ प्रस्ताव केंद्र क मंजूरी क लेल पठाउल गेल अछि। एहि पर केंद्र कए 75 फीसदी राशि खर्च करबाक अछि। डीजीपी कहला जे एहन योजना छत्तीसगढ़ आ महाराष्ट्र पुलिस काफी सफलता क साथ लागू केने अछि। मोट अनुमान अछि जे एहि मे एक थाना कए ऊर्जान्वित करबा मे पांच लाख टका तक क खर्च आउत।

Related posts:

  1. बिहार मे बैंक ऑफ इंडिया क पहिल कारपोरेट शाखा शुरू
  2. एडीबी क सहायता स बनत 1880 किमी सड़क
  3. नव रूप मे काज करत महिला थाना
  4. पटना मे एयर एम्बूलेंस सेवावाला पहिल मल्टी स्पेशियलिटी हास्पिटल शीघ्र
  5. रांची-पटना लेल 15 स एयर टैक्सी सर्विस