सड़क आ पार्क क लेल भेटल आओर 150 करोड़

पटना। शहर मे सड़क, नाला, पार्क आ घाट क निर्माण क गति आ रफ्तार पकड़त। मुख्यमंत्री नगर विकास योजना क तहत सरकार करीब 150 करोड़ टका आओर देब जा रहल अछि। उपमुख्यमंत्री एहि आशय क संकेत देला अछि। पिछला साल दू किश्त मे निकाय कए दू सौ करोड़ टका देल गेल।
वित्तमंत्री क करीबी सूत्र क अनुसार चालू वित्तीय वर्ष मे डेढ़ सौ करोड़ टका सेहो जल्द रिलीज करि देल जाएत। इ टका मे स पटना कए 31.38 करोड़, मुजफ्फरपुर कए 5.91 करोड़, भागलपुर कए 7.23 करोड़, गया कए 7.60 करोड़, नालंदा कए 5.74 करोड़, भोजपुर कए 5.05 करोड़ आ नवगठित नगर निगम वाला जिला मुंगेर कए 5.47 करोड़, बेगूसराय कए 7.31 करोड़, पूर्णिया कए 4.17 करोड़ आ कटिहार कए 3.60 करोड़ टका भेटत।