आब पटना स सीधा विदेश निर्यात होएत लीची आ आम

समदिया
पटना। बिहार स सीधा विदेश निर्यात करबाक कोनो व्यवस्था नहि छल। बिहारक कोनो सामान आन राज्यक मदद स विदेश निर्यात होइत रहल अछि मुदा आब जेपीएन इंटरनेशनल एयरपोर्ट स एयर कार्गो सेवा शुरु भ रहल अछि जे बिहारक सामान कए सीधा विदेश तक पहुंचा देत।  शुरुआत मे एहि सेवाक फायदा कृषि उत्पाद कए भेटत आ बिहार स तरकारी आ फल विदेश जायत। सरकारक एहि फैसला स बिहार मे निर्यातक कए संख्या मे बढोतरी होएत संगहि सरकार कए कर सेहो भेटत। एखन धरि निर्यातक सुविधा नहि रहबा स कर आन राज्य क खाता मे चलि जाइत छल।
सीमा शुल्क आयुक्त विनायक चंद्र गुप्ता एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला जे आब राज्य मे उगजल तरकारी आ फल खाड़ी आ यूरोपीय देश मे सीधा निर्यात भ सकत।
कस्टम आयुक्त कहला जे हाल हि मे एहि विषय पर पटना मे बैसार भेल छल आ पटना एयरपोर्ट  निदेशक कार्यालय मे भेल ओहि बैसार मे संबंधित विभाग क संगहि सीमा शुल्क आ स्टेट हार्टिकल्चर विभाग क प्रतिनिधि सेहो शामिल छलाह।
बैसार मे पटना क जेपी एन इंटरनेशनल एयरपोर्ट स एयर कार्गो सेवा शुरु करबाक फैसला भेल। आयुक्त कहला जे इ योजना अगिला किछु मास मे शुरु भ जायत। एहि स किसान कए बहुत फायदा होएत।
आयुक्त कहला जे आम लीची आ केराक निर्यात पैघ पैमाना पर भ सकत। बाजार तक पहुंच नहि हेबा स अधिकतर फल खराब भ जाइत छल, जाहि मे आब कमी आउत। ओ कहला जे बिहार क फल आ तरकारी अगर सीधा विदेश जाइत अछि त किसान आ राज्य सरकार दूनूक आमदनी बढत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments