सिविल सेवा परीक्षा मे मैथिलीक फेर बजल डंका, नौ गोट छात्र भेलथि पास

0
10
मणिभूषण
दिल्ली । यूपीएससी सिविल सर्विसेज 2017 क परीक्षाक परिणामक घोषणा भ गेल। एहि साल सेहो मैथिलीक डंका बाजल। एखन धरिक सूचनाक अनुसार कुल नौ गोट छात्र मैथिली विषय स उत्तीर्ण केलथि अछि। एहि परीक्षा मे हैदराबाद क दुरीशेट्टी देशभरि मे टॉप केलथि अछि। अनु कुमारी कए दोसर आ सचिन गुप्ता ऑल इंडिया रैंकिग मे तेसर स्थान पौलथि अछि। बिहार क अतुल कए चारिम स्थान भेटल अछि।
मैथिली विषय स एहि साल स सेहो नीक परिणाम आयल अछि। मैथिली कए विषय कए रूप मे रखनिहार सागर कुमार झा कए 13म स्‍थान भेटल अछि ओतहि मनीष कुमार कए 84वां स्थान भेटल अछि । एहिना रतन कुमार झा कए 408म सुजीत कुमार बत्य कए 588, संदीप सिंह कए 729, अभिषेक कुमार 730, मनीष कुमार सारदेव कए 849, नीलीमा कौशल कए 921, सुमित सिंह कए 937वां स्थान भेटल अछि।
बिहार सँ आरो सफल प्रतिभागी:
एखनतक तक भेटल जानकारी क अनुसार बिहार क सफल अभ्‍यर्थि में सहरसा क सागर झा कए 13वां त पटना क अभिलाषा अभिनव कए 18वां स्‍थान भेटलनि। भागलपुर क ज्‍योति 53वें, मातीउर्ररहमान 154वें स्‍थान पर छथि। बेगूसराय क योगेश गौतम  172वां रैंक हासिल  केलथि। नवादा जिला क मयंक मनीष 214वां स्‍थान हासिल केलथि। भोजपुर क श्रेया सिंह 538वें स्‍थान पर कायम छथि।
बिहार क पड़ोसी राज्‍य झारखंड क बात करी त जानकारी के अनुसार ओतय सँ पांच अभ्यर्थी सफलता हासिल कयलथि। डोरंडा क सागर कए 13वां, अभिजीत सिन्हा कए 19वां, अभिलाष वर्णवाल कए 44वां, मयंक मनीष कए214वां आ श्रेया वत्स कए 345वां स्थान भेटलन्हि।
कुल 990  कए भेटलन्हि सफलता 
परीक्षा में 990 अभ्यर्थी कए सफल घोषित कयल गेल। इनमें सामान्य श्रेणी क 476, ओबीसी क 275, अनुसूचित जाति क 165,  अनुसूचित जनजाति क 74 अभ्यर्थी शामिल छथि। रिजर्व सूची में 132 अभ्यर्थी शामिल छथि। एहि साल आइएएस क 180, आइएफएस क 42, आइपीएस क  150, सेंट्रल सर्विस ग्रुप ‘ए’  क 565 , ग्रुप ‘बी’ क  121 पद पर नियुक्ति होनाई अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page