बंगाल कए पाछु छोडि महिला पर अपराध करबा मे महाराष्ट्रक नेता सबस आगू

समदिया
पटना । देश मे बढि रहल महिला पर हमलाक बीच नेता सबहक आबि रहल विवादित बयान आ व्यवहार चर्चक विषय  बनल अछि। देश मे महिला पर अपराध करबा मे सबस आगू महाराष्ट्रक नेता छथि। महाराष्ट्रक नेता पर सबस बेसी मुकदमा महिला पर अपराध क आरोप मे अछि।  महाराष्ट्र क हाल सबस खराब अछि। एसोसिएशन ऑफ डेमोक्रेटिक रिफॉर्म आ नेशनल इलेक्शन वॉच क रिपोर्ट क अनुसार भाजपा मे एहन सांसद आ विधायकक  संख्या सबस बेसी अछि जिनका पर महिलाक खिलाफ  आपराधिक मामला चलि रहल अछि। दूनू संस्था वर्तमान सांसद आ विधायकक 4896 मे स 4845 मामला क विश्लेषण केलक अछि। एहि मे स 1580 सांसद  आ विधायक  क खिलाफ  आपराधिक मामला छल। ओहि मे स  48 क खिलाफ  महिला क खिलाफ  आपराधिक मामला दर्ज छल। एहि मामला मे भाजपा सबस आगू रहल। एकर बाद शिवसेना आ फेर टीएमसी। भाजपा क 12, शिवसेना क 7 आ टीएमसी क 6 सांसद आ विधायक क खिलाफ  महिला क खिलाफ  आपराधिक मामला दर्ज अछि।
रिपोर्ट कहैत अछि जे पिछला पांच साल मे भाजपा  47 एहन उम्मीदवार कए, जिनका पर महिला क खिलाफ  आपराधिक मामला क आरोप छल, हुनका टिकट देलक। बसपा एहन 35 उम्मीदवार आ कांग्रेस 24 उम्मीदवार कए टिकट देलक।
राज्य क मामला मे महाराष्ट्र 12 सांसद आ विधायक संग सबस आगू अछि ओकर बाद पश्चिम बंगाल फेर ओडिशा आ आंध्र प्रदेश क स्थान अबैत अछि। महिला क खिलाफ कैल गेल एहि अपराध मे  महिलाक अस्मिता कए नुकसान पहुंचेबाक, अपहरण आ ज़़बरदस्ती विवाह करबा सन मामला दर्ज अछि। एडीआर सिफारिश केलक अछि जे जाहि उम्मीदवार क खिलाफ गंभीर आरोप अछि हुनका चुनाव लड़बा स रोकल जाये आ राजनीतिक पार्टी कए इ बतेबाक चाही कि  ओ कौन मजबूरी मे एहन लोक कए अपन उम्मीदवार बनबैत छथि।
इ रिपोर्ट तखन आयल अछि जखनभाजपा विधायक कुलदीप सिंह सेंगर क ऊपर एकटा नाबालिग संग बलात्कार करबाक गंभीर आरोप लगाल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments