बिहार क ‘’मगध वारियर’’ खेलत आईपीएल

पटना । जों सब किछु ठीक रहत त आईपीएल क इतिहास मे एकटा नव अध्‍याय जुड़त । मगध वारियर क रूप मे बिहार क टीम आईपीएल – 10 मे हिस्‍सा लेत । जाहि मे बिहार क कम से कम तीन टा खिलाड़ी क रहबाक संभावना अछि ।

उम्‍मीद कैल जा रहल अछि जे अप्रैल धरि जखन बीसीसीआई क पुनर्गठन भए जाएत त इंडियन प्रि‍मियर लीग क गवर्निग काउंसिल क साथ ई बातक अंतिम रूप सोझा आबि जाएत । बिहार क्रिकेट एसोसिएशन क सचिव आदित्‍य वर्मा क अनुसार मगध वारियर क सपोर्ट करबाक लेल कैक टा कारोबारी घराना सोझा आबि रहल अछि ।

ज्ञात होए कि एहि स पहिने बिहार क्रिकेट एसोसिएशन कए बीसीसीआई स मान्‍यता नहि भेटल छल । एहि क लेल एकटा मजबूत लॉबी लगातार प्रयासरत रहल जे बिहार कए मान्‍यता नहि भेटय । मुदा सुप्रीम कोर्टक हालक बयान क अनुसार आब बिहार क उम्‍मीद काफी बढ़ि‍ गेल अछि । आब एकटा पैनल क गठन कैल गेल अछि जे बीसीसीआई स मान्‍यता क लेल काज कए रहल अछि । एहि पैनल मे आदित्‍य वर्मा, सुबोध कांत सहाय संग आन लोग सब अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments