बंद होएत मधेपुरा रीले केंद्र, शुरु भेल विरोध

Madhepura Reley Centerनयी दिल्ली । केंद्र सरकार क एकटा फैसला स पूर्वी मिथिला क एकटा पैघ इलाका सूचना क्रांति स बाहर भ जायत। प्रसार भारती क ताजा आदेश स मधेपुरा सहित सिमरी बख्तियारपुर, खगरिया आ कलना (प. बंगाल) क दूरदर्शन लो पावर ट्रांसमिशन कए बंद कैल जा रहल अछि। केंद्र सरकार क एहि निर्णय क विरोध सेहो शुरू भ गेल अछि। पूर्व मुख्यमंत्री बीपी मंडल क पौत्र आ मधेपुरा क पूर्व जमींदार सूरज मंडल एहि संबंध मे एकटा ज्ञापन सौंपलथि अछि। हुनक कहब अछि जे मधेपुरा क लोक एक कात सरकारी एफएम सुनबाक बाट ताकि रहल अछि आ दोसर दिस केंद्र सरकार ट्रांसमिशन केंद्र कए बंद क रहल अछि। हुनक कहब अछि जे एफएम रेडियो क ट्रांसमिशन दूरदर्शन टावर स होइत अछि, ताहि कारण स अगर एकरा बंद कैल गेल त पिछड़ल, अविकसित इ क्षेत्र सूचना क्रांति स बाहर भ जायत।
उल्लेखनीय अछि जे एहि केंद्र कए बंद करबाक आदेश एहि स पूर्व 2012 मे सेहो आयल छल, मुदा  विरोध क बाद वापस लेल गेल छल। ओहि समय मे मधेपुरा डाक बंगला स्थित टीवी टावर क मेन गेट पर ताला बंधी क देल गेल छल। दूरदर्शन अधिकारी क दलील अछि जे सहरसा जि़ला स्थित सोनबर्षा मे हाई पावर ट्रांसमिशन टॉवर लगा देल गेल अछि ताहि लेल लो पॉवर ट्रांसमिशन टॉवर क ज़रुरत नहि अछि। मुदा सच्चाई इ अछि जे  सोनबर्षा स्थित टॉवर ठीक स काज नहि क रहल अछि। जेनेरेटर तक ओहि ठाम नहि चलैत अछि। दोसर जे एहि लो पॉवर ट्रांसमिशन स एखन दूरदर्शन क किसान चैनल, उर्दू चैनल और बिहार दूरदर्शन कार्यक्रम आदि देखल जाइत अछि, जाहि स एफएम रेडियो क प्रसारण कैल जाये। किया त नेपाल आ चीन क रेडियो एहि क्षेत्र मे लगातार लोकप्रिय भ रहल अछि। इ प्रसारण भारत क विरुद्ध सांप्रदायिक दृष्टिकोण स खतरनाक अछि। भारत क रेडियो तरंग कए प्रभावित क चीन रेडियो स प्रसारण कैल जा रहल अछि। एहि ठाम क लोक एफएम लेल नेपालक कांतिपुर रेडियो स्टेशन सुनैत अछि। एहन मे एहि क्षेत्र स टावर हटेबाक औचित्य बुझबा मे नहि आबि रहल अछि। श्री मंडल कहैत छथि जे ओ सूचना आ प्रसारण मंत्री कए ज्ञापन सौंपलथि अछि। मधेपुरा क लोक केंद्र सरकार कए चेतावनी दैत अछि जे अगर इ फैसला अविलम्ब वापस नहि भेल त 8 सितंबर कए मधेपुरा मे एकर विरुद्ध एकटा विशाल प्रदर्शन कैल जाएत। दूरदर्शन टॉवर क घेरा बंदी कैल जाएत, जाहि स टॉवर कए मधेपुरा स बाहर ल जेबाक कोनो प्रयास कए विफल क देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments