दरमाहा बा मानदेय चाही त बनाउ झारालय

Sochalayपटना । सरकारी दरमाहा या मानदेय अगर कोनो सरकारी सेवक कए चाही त हुनका अपन घर मे झारालय (शौचालय) बनायब आब अनिवार्य भ गेल अछि। जिनकर घरं में इ नहि होएत हुनका 31 मार्च क बाद स दरमाहा बा मानदेय नहि देल जाएत। उल्लेखनीय अछि जे एहन कर्मी मे
आंगनबाड़ी सेविका, सहायिका, एएनएम, ममता कार्यकर्ता, विकास मित्र, टोला सेवक, किसान सलाहकार, पंचायत रोजगार सेवक, इन्दिरा आवास सेवक, होमगार्ड, स्कूल रसोईया, कृषि समन्वयक, हल्का कर्मचारी, पंचायत सचिव आदि अबैत छथि।
प्रधान सचिव डीडीसी सब कए एहि संबंध मे रिपोर्ट देबा लेल कहलथि अछि। एखन डेढ़ महीना क समय अछि एहन मे झारालय नहि अछि त निर्माण करा लेल जाये। सरकारक कहब अछि जे सरकारी प्रतिनिधि क घर मे जखन झारालय नहि रहत त ओ अनका कोना एकरा लेल प्रेरित करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments