एम एड क पढ़ाई लेल भेटल स्थाई संबंधन

दरभंगा । ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क कुलपति प्रो.सुरेंद्र कुमार सिंह क अध्यक्षता मे शुक्र दिन संबंधन एवं न्यू टीचिंग प्रोग्राम कमिटी क बैसक भेल। बैसक मे मधुबनी स्थित एक बी एड कालेज मे एम एड क पढ़ाई क लेल स्थाई संबंधन क अनुशंसा क संग संग अन्य निर्णय सब लेल गेल।
आगत सदस्य सबहक स्वागत इंस्पेक्टर आफ कालेजेज डा. के सी सिंह कयलन्हि। कुलपति क अनुमति सँ कार्यवाही प्रारम्भ कय सर्वप्रथम  दिनांक 16 -02- 18 क बैसक क कार्यवृति के संपुष्ट कयल गेल। मिल्लत टीचर्स ट्रेनिंग कालेज,मधुबनी क एम एड 18- 20 सत्र स स्थाई संबंधन क स्वीकृति देल गेल। जाँच टीम क रिपोर्ट आलोक मे लूटन झा कालेज, ननौर, मधुबनी के 2019 -22 सत्र से स्थाई संबंधन देबाक निर्णय लेल गेल।  ए एन डी कालेज, शाहपुर पटोरी मे बी एड कोर्स 18 -20 सत्र से चलेबा क अनुमतिभेटलैक। विधि महाविद्याँय, समस्तीपुर के बार काउंसिल भेटल अनुमति क आलोक मे 2018 -29 क लेल अनुमति देल गेल। अन्त मे धन्यवाद ज्ञापन सीसी डी सी डा. मुनेश्वर यादव कयलाह। बैसक मे डीन विज्ञान डा. उपेन्द्र कुमार, मानविकी संकायाध्यक्ष डा. मनोज कुमार झा, कामर्स क डीन डा अजित कुमार सिंह,.फाइन आर्ट्स कसंकायाध्यक्ष डा.लावन्रकीर्ति सिंह काव्या, सोसल साइन्स क डीन डा. धनेश्वर प्रसाद सिंह, सिंडिकेट सदस्य प्रो. एन के अग्रवाल, डा. डु. एन. पासवान उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments