LMNU में पढ़ाओल जाएत विदेशी भाषा

0
12
esamaad maithili newspaper

दरभंगा । आब विदेशी भाषा पढ़बाक लेल दिल्ली, पंजाब वा बैंगलूरू सन पैघ शहर जेबाक आवश्यकता नहि अछि । आब दरभंगा मे सेहो विदेशी भाषा क पढ़ाई होएत । विगत दिन ल. ना. मि. वि. दरभंगा मे कुलपति प्रो साकेत कुशवाहा क अध्यक्षता मे विदेशी भाषा संस्थान क प्रबंधकारिणी परिषद् क बैठक भेल। जाहि मे एहि विषय पर फैसला लेल गेल कि अगिला मास से दरभंगा मे सेहो विदेशी भाषा क पढ़ाई होएत ।

एहि विषय मे संस्थान क विदेशी भाषा निदेशक प्रेम मोहन मिश्रा जानकारी दैत कहला कि विदेशी भाषा संस्थान मे 7 भाषाक प्रमाणपत्र पाठ्यक्रम क पढाई अविलंब प्रारम्भ कैल जाएत जाहि मे फ्रेंच, जर्मन, स्पेनिश, जापानी, कोरियन, चीनी आओर अरबी शामिल अछि । इ पाठ्यक्रम दू सेमेस्टर मे विभक्त होएत वा कुल अवधि एक साल क होएत। हरेक भाषा क लेल एक-एकटा शिक्षक क पद सृजित कैल गेल अछि है, जेकरा पर तत्काल संविदा क आधार पर नियुक्ति होएत ।

अो कहलथ‍ि कि एक वर्ग मे अधिकतम 40 टा छात्र  क संख्या सुनिश्च‍ित कैल गेल अछि। 20 छात्र स कम संख्या भेला पर वर्ग सञ्चालन नहि कैल जाएत । बेसी छात्र भेला पर ओहि भाषा मे वर्गक संख्या बढ़ाओल जाएत। नियमित छात्र क अलावा विश्वविद्यालय मे आन व्यावसायिक पाठ्यक्रम जेना बी टेक , एम् बी ए , विधि वा स्नातकोत्तर वर्गों मे पढ़ि‍ रहल छात्र सेहो नामांकन करा सकत। एकरा अलावे नौकरी वा आन व्यवसाय से जुड़ल लोग सेहो एहि पाठ्यक्रम मे नामांकन करा सकैत अछि। हुनकर अनुसार वर्ग सञ्चालन क समय सारणी जल्दि‍ए निर्धारित कैल जाएत । एहि कोर्स मे नामांकन क लेल न्यूनतम शैक्षणिक योग्यता इंटरमीडिएट अछि आ उम्र क कोनो सीमा नहि‍ अछि।

एहि विषय मे आर बेसी जानकारी दैत श्री मिश्रा कहलथि‍ कि जे छात्र पहिने आवेदन केने अछि, हुनकर मेधा सूची जल्दि‍ए प्रकाशित कैल जाएत। फ़रवरी 2016 से वर्ग सञ्चालन क संभावना अछि। एहि कोर्स मे वार्षिक शुक्ल 14000 , नामांकन शुल्क 1150 आ परीक्षा शुल्क विश्वविद्यालय नियमानुसार होएत । शिक्षक क नियुक्ति क लेल आवेदन विश्वविद्यालय की वेबसाईट वा Times of India मे शीघ्र प्रकाशित कैल जाएत । परीक्षा मे पास छात्रों कए ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क मानविकी संकाय क अधीन डिग्री देल जाएत । श्री मिश्रा कहलथ‍ि कि प्रमाणपत्र पाठ्यक्रम क सफल सञ्चालन क बाद डिप्लोमा आ एडवांस्ड डिप्लोमा पाठ्यक्रम सेहो चलाओल जाएत।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page