दरभंगा मे महिला पुलिस दस्ता राखत मनचला सब पर नजरि

दरभंगा । जिला क एस एस पी द्वारा शहर क सुरक्षा हेतु एक नव नीक पहल कयल गेल अछि। जिला में महिला आ लड़की सबहक सुरक्षा हेतु एक बीस सदस्यीय विशेष दस्ता क गठन कय दस्ता के विशेष रूपेँ प्रशिक्षित कय हुनकासब के मुख्य चौक चौराहा आ स्कूल कालेज क अगल बगल तैनात कयल जायत।
बीस सदस्यीय एहि शेरनी दस्ता के एस एस पी मनोज कुमार प्रशिक्षित कय शहर क महिला सबहक सुरक्षा क जिम्मेवारी दैत बाईक से निगरानी रखबाक निर्देश देलन्हि। ध्यातब्य अछि जे जिला मे उचक्का सब से छिनतई, महिला सबके छेड़छाड़ से सुरक्षित रखवा हेतु एहि तरहक दस्ता क गठन आवश्यक छल। मनोज कुमार कर्मठ पदाधिकारी छथि, उल्लेखनीय अछि जे एहि सँ पहिने ओ आतंकवादी दस्ता क सेहो गठन कय आतंकवादी गतिविधि पर नियंत्रण क.प्रयास.कयने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments