नहि रहलाह बहुआयामी कुमार शैलेन्द्र

0
17

Kumar Shailendraपटना । कुमार शैलेन्द्र, शैलेन्द्र जी, शैलू भैया नाम स’ जगजियार आब हमरा सबहक बीच नहि रहला । सोमदिन राति हुनक कोलकाता मे लंबा बीमारीक बाद निधन भ गेल। शुद्ध मैथिलकर्मी, अभिनेता, निर्देशक, नाटककार, पत्रकार आर जानि ने की-की। सदैव मैथिली संस्कृति के उत्‍थान लेल सकारात्मक सोच रखनिहार शैलेन्द्र जी क आकस्मिक निधन पर समूचा मैथिली कला संस्कृति जगत शोकाकुल अछि। बहुआयामी व्यक्तित्व क धनी कुमार शैलेन्द्र (1964-2014) लोकप्रिय रंगकर्मी , सशक्त अभिनेता , जुझारू पत्रकार छलैथ। मिथिला मिहिर, प्रभात खबर, सौभाग्‍य मिथिला आ मिथिला आवाज समेत कईटा हिंदी आ मैथिली संस्‍थान स ओ जुडल रहलाह अछि। रेडियो पर मैथिली समाचार पढनिहार कुमार शैलेन्द्र मैथिलीक प्रसिद्द गीतकार रविंद्रनाथ ठाकुर द्वारा निर्मित अ निर्देशित हिंदी डोक्युमेंटरी फिल्म ” आयुर्वेद की अमर कहानी ” स अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केने रहैथ। तकरबाद, मैथिली फिल्म ‘ सिन्दूरदान ” में हुनक अभिनय क्षमताक बड्ड प्रशंसा भेटल छल। सौभाग्य मिथिला पर प्रसारित धारावाहिक ” दियर -भाऊज ” क षडयंत्री कक्का कए के बिसरत। हुनक अंतिम फिल्म ” घोघ में चांद” छल। मैथिली सिनेमाक प्रेमी वर्ग दिस सं हुनका भावभीनी श्रद्धांजलि देल गेल। सदैव नाट्यकर्म लेल तत्पर आ समर्पित रंगकर्मी कुमार शैलेन्द्र भंगिमा आ मिथिलांगन स जुडल रहला अछि। मैलोरंग क कलाकर्मी सब सेहो शोक सभा आयोजित क श्रद्धा सुमन अर्पित करबाक सूचना देलथि अछि। इसमाद सेहो मिथिला क एहि पुत्र कए शत शत नमन करैत अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page