जानकी कटिहार तक , कोसी पूर्णिया स

KOSHIपटना । रेल मंत्रालय 21 जून स कोसी एक्सप्रेस कए पूर्णिया स आ जानकी एक्सप्रेस कए कटिहार स चलेबाक फैसला लेलक अछि। कोसी एक्सप्रेस क परिचालन मुरलीगंज स मधेपुरा होइत पटना तक होएत। आब कोसी एक्सप्रेस पूर्णिया कोर्ट स्टेशन स खुलि कए  बनमनखी मधेपुरा, सहरसा होइत पटना तक आउत। एहिना जानकी एक्सप्रेस 21 जून स कटिहार स खुलत। एखन इ सहरसा स जयनगर  क बीच चलैत अछि।
रेलवे दूनू क समय सारिणी तय क लेलक अछि। नव समय क अनुसार कटिहार स जानकी एक्सप्रेस राति 11:30 बजे खुलत जे भोर 4:30 बजे सहरसा पहुंचत। साढ़े पांच बजे जयनगर लेल प्रस्थान करत। कोसी एक्सप्रेस क पूर्णिंया कोर्ट स खुलबाक समय  रात्रि दो बाजिकए 35 मिनट राखल गेल अछि। जे आम लोक लेल असुविधाजनक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments