कोसी शिखर सम्‍मेलन आय स, होएत दिग्‍ग्‍जक जुटान

पूर्व केन्‍द्रीय मंत्री संजय पासवान करताह उद्धाटन
लोकसभा आ राज्‍यसभा क तर्ज पर सरकारक विशेष योजना क होएत समीक्षा
कोसी क विभीषिका आ मैथिली क संवर्धन पर होएत अलग सत्र
राज्‍यसभा सांसद मनोज झा करताह समापन

सहरसा । दू दिवसीय कोसी शिखर सम्‍मेलन क आयोजन शनिदिन आरएम कॉलेज मे शुरू भए रहल अछि । सम्‍मेलनक उद्घाटन पूर्व केन्‍द्रीय मंत्री सह विधान पार्षद श्री संजय पासवान करताह । जखनकि दोसर सत्र क समापन समारोह मे राज्‍यसभा सांसद मनोज झा मुख्‍य अतिथि रहताह । दू दिवसीय सम्‍मेलनक पहिल दिन मैथिली भाषा क वर्तमान स्‍थिती आ एकर उन्‍नयनय पर विशेष सत्र रहत जाहि मे साहित्‍यकार आ साहित्‍य अकादमी से सम्‍मानित युवा कवि अरूनाभ सौरभ, विकाश वस्‍तनाभ, आ रधुनाथ मुखिया मुख्‍य वक्‍ता होएत । एहिना दोसर दिन कोसी क त्रासदी आ विभीषिका पर एकटा सत्र राखल गेल अछि जेकरा प्रख्‍यात जल विशेषज्ञ श्री दिनेश मिश्र आ पत्रकार पुष्‍यमित्र संबोधित करताह ।

सबस पैघ गप जे एहि सम्‍मेलन क आयोजन नहि त कोनो राजनैतिक दल दिस स भए रहल अछि नहिए कोनो सामाजिक संगठन दिस स । आयोजन कोनो बैनर क नीचा सेहो नहि भए रहल अछि । ई आयोहन शहर क शिक्षित आ प्रबुद्ध युवा सभ करा रहल अछि । दू महिना पहिने से आयोजन समिति स जुड़ल युवा अनुशासित आ योजनाबद्ध भए कए सम्‍मेलन क सफलता लेल जी जान सए जुड़ल छल । आयोजन समिति क प्रमुख सोमू आनंद बतेलथि जे सम्‍मेलनक मुख्‍य उद्देश्‍य एतय क युवा कए कोसी नदी क विस्‍तृत ज्ञान उपलब्ध करेनाय अछि, ई चंचला नदी अभिषाप कोना बनि गेल, तटबंध क अंदर रहिनार लोग सभ लेल अखैन धरि सरकार की की केलक । कोसी क पलायन आ बेरोजगारी संगे मैथिली भाषा कए राष्‍ट्रीय स्‍तर पर पहचान दिएबाक लेल कुन कुन योजना तैयार कैल जाएत । आ लोकसभा आ विधानसभा मे कानून केना बनत अछि एहि पर विशेष चर्चा कैल जाएत ।

एहि आयोजन मे कीनोट आइएस क शमीम अख्‍तर, एमबीआइटी क चेयरमेन अमित कुमार दास, सीतामढ़ी जिलाक सिंहवाहिनी पंचायत क मुखिया रितु जायसवाल, आइटी उद्यमी साकार यादव, अमिटि टीवी क एडिटर इन चीफ राजीव मिश्र, पटना विश्‍वविद्यालय क पूर्व महा‍सचिव अंशु कुमार, एजुकेशन एक्‍टिविस्‍ट अभिषेक रंजन संगे आन कैकटा नामी गिरामी हस्‍ती शामिल होएत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments