अगिला फागुन मे कोसी पुल स गुजरत ट्रेन, दरभंगा मे बनत रेल बाइपास

अभिनव कुमार 
दरभंगा । 1934 मे ध्वस्त भेल दरभंगा सहरसा रेलखंड अगिला साल चालू भ जायत। संगहि दरभंगा मे रेल बाईपास सेहो बनत। एहि नव बाइपास भेला पर असम स दिल्ली जेबा लेल ट्रेन कए दरभंगा मे लोको रिर्वसल क मजबूरी नहि रहत।
रेल मंत्रालय से भेटल जानकारी क अनुसार सब किछु ठीक रहल त अगिला साल कोसी महासेतु स ट्रेन गुजरत आ दू भाग मे विभाजित मिथिला एक बेर फेर रेल पटरी स जुडि जायत। एहि लेल आवश्यक 75 करोड़ टकाक आवंटन एहि बजट मे क देल देल गेल अछि। दोसर दिस सकरी-फारबिसगंज रेलखंड मद मे बाकी 200करोड़ सेहो उपलब्ध करा देल गेल अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि जे अक्टूबर स दरभंगा-निर्मली क बीच ट्रेन चलत।
दिल्ली स असम क दूरी 250 किलोमीटर कम करबा लेल अररिया गलगलिया नव रेल लाइन लेल सेहो 500करोड़ उपलब्ध करा देल गेल अछि।
एकरा संगहि ककरघटी स्टेशन स सीधे शीशो हाल्ट तक 131 करोड़ क लागत स 7.63किमी लंबा दरभंगा रेल बाईपास लाइन मंजूर क देल गेल अछि।
जानकारक कहब अछि जे 131 करोड़ क लागत स बनि रहल दरभंगा न्यू रेल बाईपास स दरभंगा कए नव विस्तार भेटत। दरभंगा क प्रस्तावित एयरपोर्ट सेहो प्रस्तावित शीशो आ काकरघाटी टीसन स नजदीक होएत। ककरघटी आ शीशो सन टीसनक सेहो विकास होएत। दरभंगा जंक्शन पर दबाव कम होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments