गिल और कार्तिक केकेआर के जितेलक

कोलकाता । युवा खिलाड़ी शुभमान गिल और कप्तान दिनेश कार्तिक के ताबड़तोड़ पारीक बदौलत कोलकाता नाइट राइडर्स इंडियन प्रिमियर लीग में खेलल गेल मुकाबला में चेन्नइ के 14 गेंद शेष रहैते 6 विकेट स हरा देलक। चेन्नइ सुपर किंग्स पहिले बल्लेबाजी करते निर्धारित 20 ओभर में 5 विकेट गवा क 177 रन बनेलक । लक्ष्य के पिछा करैत कोलकाता के टीम 17.4 ओभर में 4 विकेट गंवा क 180 रन बना लेलक । कोलकाता के सलामी बल्लेबाज  सनील नरेन बिहैर जकां शुरुआत केलनि ओ 20 गेंद में 32 रन बनैलैथ। हिनकर बाद गिल धैर्यपूर्वक अंदाज में टीम के स्थिरता देलनि और 36 गेंदक सामना करैत 57 रन बनैलैथ । गिल अपन पारि में 6 चौका 2 छक्का लगेलनि  । ओहि ठाम कार्तिक अंतिम ओभर मे तेजतर्रार पारि खलेलनि आ मात्र 18 गेंद में 45 रन बनेलनि ओ 17 चौका आ 1 छक्का मारलैथ। चेन्नई टीमक कप्तान महेन्द्र सिंह धोनी के सारा मेहनत बेकार साबित भेलनि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments