जानकी नवमी पर नीतीश सरकार किशोरी लेल खोललक खजाना

कन्याक जन्म स स्नातक भेला तक समेकित रूप स  भेटत कुल 54,100 टका 
समदिया
पटना । जानकी नवमी स ठीक पहिने किशोरी लेल बिहार सरकार अपन खजाना खोलि देलक अछि। वैदेहीक जन्म स ओकर स्नातक बनबा धरि नीतीश सरकार कदम दर कदम आर्थिक मदद देत। नीतीश कैबिनेट मुख्यमंत्री कन्या उत्थान योजना कए मंजूरी द देलक अछि। इ ऐतिहासिक निर्णय मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे भेल राज्य कैबिनेट क बैसार मे लेल गेल।  इ योजना राज्य क सबटा बेटी कए जन्म स ल कए स्नातक हेबा तक लेल होएत। एहि योजना क लाभ परिवारक दूटा बच्चा धरि भेटत। एहि योजना क तहत समेकित रूप स एकटा कन्या कए जन्म स स्नातक भेला तक कुल 54,100 टका भेटत। मुख्यमंत्री कन्या उत्थान योजना पर प्रति वर्ष 2,221 करोड़ टका स बेसी राशि व्यय क लगभग 1 करोड़ 60 लाख कन्या कए लाभान्वित करबाक अनुमान अछि। एहि योजना क कार्यान्वयन समाज कल्याण विभाग, शिक्षा विभाग आ स्वास्थ्य विभाग करत आ प्रोत्साहन राशि क भुगतान लाभार्थी कए डीबीटी0 क माध्यम स हुनकर बैंक खाता मे कैल जायत।
मुख्यमंत्री कन्या उत्थान योजना क जानकारी दैत मुख्य सचिव अजनी कुमार सिंह कहला जे समाज कल्याण विभाग आब कन्या शिशु क जन्म पर माता/पिता/अभिभावक क बैंक खाता मे 2000 टका राखत । 1 वर्ष पूरा भेला पर आ आधार पंजीयन करेबा पर माता/पिता/अभिभावक क बैंक खाता मे  1000 टका देत। स्वास्थ्य विभाग  2 वर्ष क आयु पूर्ण भेला पर सम्पूर्ण टीकाकरण करेबा लेल  माता/पिता/अभिभावक क बैंक खाता मे 2000 देत। जखनकि शिक्षा विभाग वर्ग 1-2 लेल मुख्यमंत्री पोशाक योजनाक अन्तर्गत 600 देत। वर्ग 3-5 लेल मुख्यमंत्री पोशाक योजना क अन्तर्गत 700 टका देत। वर्ग 6-8 लेल मुख्यमंत्री बालिका पोशाक येाजना क अन्तर्गत 1000 जख्खनकि  वर्ग 9-12 लेल बिहार शताब्दी मुख्यमंत्री बालिका पोषाक योजना क अन्तर्गत आब 1,500 देल जायत।
मुख्यमंत्री किशोरी स्वास्थ्य कार्यक्रम मे (सैनेटरी नैपकीन लेल) 300 टका देल जायत। इ राशि वर्ग 7-12 क बालिका सब कए भेटत। मुख्यमंत्री बालिका (इन्टरमीडिएट) प्रोत्साहन योजना क तहत अविवाहित इन्टरमीडिएट ($2) उतीर्ण बालिका सब कए 10,000 टका देल जायत जखन कि मुख्यमंत्री बालिका (स्नातक) प्रोत्साहन योजना क तहत स्नातक उतीर्ण बालिका सब कए आब 25,000 टका देल जायत। एहि प्रकार स समेकित रूप स एकटा कन्या कए जन्म स स्नातक तक सरकार कुल 54,100 टका देत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments