रक्सौल – काठमांडू रेल परियोजना लेल भारत- नेपाल क मध्य सहमति

काठमांडू। विहार क रक्सौल से काठमांडू तक प्रस्तावित रेल परियोजना क लेल प्रारंभिक अभियंत्रण सह यातायात सर्वेक्षण कार्य हेतु हस्ताक्षर करबा लेल भारत- नेपाल क मध्य  सहमति भ गेल अछि। नेपाल – चीन क बीच तिब्बत कय काठमांडू से सम्पर्कित करय बाली रेल लाइन क व्यवहार्यता क अध्ययन पश्र्चात ई निर्णय लेल गेल। नेपाल क प्रधानमंत्री के पी शर्मा ओली क भारत यात्रा क समय एहि परियोजना लेल सहमति भेल छल जाहि में नेपाल क भौतिक आधारभूत संरचना आ परिवहन मंत्रालय क संयुक्त सचिव श्री केशव कुमार शर्मा आ भारत क विदेश मंत्रालय क संयुक्त सचिव ( डीपीए- III) नमगया खामपा भाग लेलन्हि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments