दुशाहस, बंदी सब कयलक जेल क गेट तोड़ि भगबाक प्रयास

पटना।  बुध दिन झंझारपुर उप कारा क बंदी सब जेल मे हल्ला कय भगबाक प्रयास कयलक। जेल मे बंद १५० कैदी सब सिपाही आ जमादार पर रोड़ा प्रहार करैत जेलक मुख्य द्वार तोड़बाक प्रयास कयलक परन्तु जेल प्रशासन क सतर्कता क कारणे असफल रहल। बंदी सब पाकशाला मे सेहो ताला लगा देलक आ बुझेबा लेल आयल जमादार, सिपाही सब के पीटलक। जेलर रामचन्द्र साफी एहि घटना से कारा एवं सुधार गृह महानिरीक्षक केँपत्रद्वारा सूचित कयलनि अछि।ओ कक्षपाल आ सिपाही क अपर्याप्त संख्या क उल्लेख करैत अविलंब पदस्थापन के अनुरोध कयलन्हि अछि। जेल अधीक्षक नंदकिशोर चौधरी एकर सूचना नहि देबाक आरोप लगबैत कहलनि जे पत्र द्वारा जेलर क विरुद्ध कार्रवाई हेतु वरीय पदाधिकारी केँ सूचित कयल जायत ।
जेलर घटना क संबंध मे कहलनि जे दर्जन भरि से अधिक सिपाही क स्थानान्तरण आ पोस्टिंग नहि होयबा क सूचना, कक्षपाल क कमी सबहक जानकारी भेटतहि कैदी सब भगबाक योजना बनौलक।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here