आधुनिक व्यावसायिक शिक्षा क सन्दर्भ मे भारतीय शिक्षा विषय पर जागेश्वर झा मेमोरियल लेक्चर दू जुलाई कए

0
146

दरभंगा । श्री जागेश्वर झा समृति व्‍याख्‍यान श्रृंखला क तहत 2 जुलाई कए युवा इतिहासकार डॉ अवनिंंद्र कुमार झा ” आधुनिक व्यावसायिक शिक्षा क सन्दर्भ मे भारतीय शिक्षा ” विषय पर पहिल जागेश्वर झा स्‍मृति व्‍याख्‍यान व्‍याख्‍या देताह।

ल. ना. मिथिला विश्वविद्यालय क संगीत आ नाटक संकाय क सभागार रुद्र कला भवन मे सांझ 4 बजे स आयोजित एहि मेमोरियल लेक्चर क मुख्य अतिथि ल. ना. मिथिला विश्वविद्यालय क कुलपति डा. एस. के. सिंह हेताह, जखनकि सभापतित्व श्री गजानन मिश्र, सेवनिवृत भा. प्र. से. करताह।

28टा स बेसी देश मे व्यापार संचालित करनिहार मिथिला क अंतर्राष्ट्रीय उद्यमी दक्षिण अमेरिका निवासी श्री अजय झा अपन स्वर्गीय पिता जागेश्वर झा क स्मृति मे एहि व्याख्यान माला क आयोजन क शुरुआत केल‍थि अछि । सोशल मीडिया ग्रुप ‘डू फॉर दरभंगा’ आ ‘इसमाद फाउडेशन’ क सहयोग स आयोजित एहि कार्यक्रम मे प्रसिद्ध पार्श्व गायक उदित नारायण क भाई पार्श्व गायक उदय नारायण सेहो अपन प्रस्‍तुति दरभंगा मे पहिल बेर देताह । एहि गपक जानकारी कार्यक्रम क आयोजन समिति क सदस्‍य रमनदत्‍त झा देलथि ।

Comments

comments

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here