राज्य भरिक आईटीआई छात्र कए भेटत मुफ्त किताब आ पोशाक

मणिभूषण झा

पटना । राज्यक सबटा 121 सरकारी आईटीआई क 25 हजार छात्र-छात्रा सबकए सरकार साल मे दू जोड़ी पोशाक आ एक जोड़ी जूताक संग किताब मुफ्त मे देताह । पास हेबाक बाद किताब वापस ल कए दोसर छात्र कए देल जाएत । ई योजना एहि साल सँ लागू होएत । सभटा प्रमंडल मे एकटा आईटीआई क मॉडल आईटीआई बनाओल जाएत । श्रम संसाधन मंत्री विजय कुमार सिन्हाक अध्यक्षता मे बुधदिनक बैसार में ई निर्णय लेल गेल । मंत्रीजी कहलनि जे निजी आईटीआई क जाँच भए रहल अछि, कोनो तरहक गड़बड़ी भेटलापर ओकर निबंधन रद्द करेबाक लेल केन्द्र सँ अनुशंसा कैल जाएत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments