ईशान किशन पर लागल 6.20 करोड़क बोली

रामबाबू
नयी दिल्‍ली । आईपीएल केर निलामीमे बिहारक लाल ईशान किशन पर 6.20 करोड़क बोली लागल।पटनाक रहनिहार क्रिकेटर ईशान किशन बेंग्लुरूमे भ रहल आईपीएल केर निलामीमे मुम्बई इंडियन टीम 6.20 करोड़ मे ख़रीदलक। ईशान केर बोली चेन्नई आ मुम्बईकें बीच चलि रहल छल जाहिमे मुम्बई इंडियन बाजि मारलक। पहिने मुम्बई आ चेन्नई केर बीच 3 करोड़ धरि फेर बेंगलुरु केर टीम छल मुदा अंतिममे मुम्बई इंडियन केर टीम मोहर लगेलक।
विदित हो कि ईशान किशन इंडिया अंडर -19 टीमक पूर्व कप्तान सेहो रहि चुकल अछि। ईशान झारखण्ड टीम सँग खेलायत आबि रहल अछि। आईपीएल सीजन 9 आऔर 10 मे गुजरात लायन्स टीम सँ खेलाएल छल। गुजरात लाइन्सकें टीमकें पैंतीस लाख रुपैयामे खरीदने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments