राजगीर मे बनत 6 अरब क लागत स अंतर्राष्ट्रीय स्‍टेडियम

पटना । बिहार आब सेहो अपन घर मे अंतर्राष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट देखबाक मजा लए सकत । बिहार क नालंदा जिले क राजगीर मे एकटा अंतर्राष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट स्टेडियम बनाओल जाएत। बिहार कैबिनेट ई फैसला लेने छथि । बिहार क राजगीर मे सरकार छह अरब क लागत से वर्ल्ड क्लास क्रिकेट स्टेडियम बनेबा का फैसला लेल गेल अछि ।

राज्य खेल अकादमी और क्रिकेट स्टेडियम कए निर्माण क काज 2019-20 तक पूरा करबाक लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि । एहि क लेल राजगीर मे 90 एकड भूमि चिन्हित कैल जा चुकल अछि।

एहि स्‍टेडियम क लेल विस्तृत परियोजना तैयार करबाक लेल भवन निर्माण विभाग दिस स मुख्य परामर्शी क रूप मे नई दिल्ली क मेसर्स आर क्रॉप एसोसियेट प्रा. लि. क चयन कैल गेल अछि । एहि क लेल तैयार कैल गेल समेकित प्राकलन क मोताबिक राज्य मंत्रिपरिषद 6 अरब 33 करोड टकाक प्रशासनिक मंजूरी दए देने अछि ।

ज्ञात होए जे एहि स पहिने राजधानी पटना मे एक मात्र मोइनूल हक क्रिकेट स्टेडियम छल जाहि क हालत बेस जर्जर अछि । ओना एहि स्टेडियम मे राष्ट्रीय आओर अंतर्राष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट मैच आयोजित भए चुकल अछि । बिहार मे इंटरनेशनल लेवल क स्टेडियम नहि हेबाक क कारण स बिहार क लोग इंटरनेशनल मैच स वंचित रहि जाएत छलाह । आब नब स्टेडियम पटना स एक सौ किमी. दूर बौद्ध धार्मिक स्थल और पर्यटन स्थल राजगीर मे बनाओल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments