इंटरनेशनल क्राफ्ट्स अवॉर्ड्स लेल एंट्री शुरू, 30 अक्‍टूबर धरि करू आवेदन

नई दिल्ली । क्राफ्ट विलेज दिस स आयोजित इंटरनेशनल क्राफ्ट्स अवॉर्ड्स 2018 क लेल आवेदन शुरू भए गेल अछि । ई पुरस्कार नहि खाली शिल्पकार आओर कारीगर कए पहचान देलाओत अपतिु क्राफ्ट सेक्टर क लेल काज करनिहार कुनू भी संस्थान, पेशेवर, डिजाइनर, आ एकटा गांव, समुदाय क सामूहिक प्रयास आदि क लेल सेहो शुरू करल गेल अछि । अखैन धरि अधिकांश क्राफ्ट्स अवॉर्ड्स खाली कारीगर आ शिल्पकारे धरि सीमित छल ।

क्राफ्ट विलेज की संस्थापक इति त्यागी कहलाह जे, “एहि साल, आईसीए 2018 क उद्देश्य अपन पहुंच कए व्‍यापक बनेनाय आओर क्राफ्‍ट्स क एहन चैंपियन कए खोजनाय आ हुनका पुरस्‍कृत केनाए अछि जे विश्‍व मे क्राफ्‍ट क्षेत्र मे खासतौर से क्राफ्‍ट्स क कौशल, ज्ञान, संरक्षण आओर पुनरुत्‍थान, इनोवेशन, नब आइडियाज मे उल्‍लेखनीय योगदान देने छथि । पिछला साल जेना इहो साल, एकटा प्रतिष्ठित जूरी विभिन्न श्रेणी मे फाइनलिस्‍ट आओर पुरस्कार विजेताओं क चयन करतथि ।

आवेदन भरबाक लेल जानकारी नीचा अछि ।

  • श्रेणी और योग्यता मानदंड : सभटा विवरण http://www.craftvillage.org.in/international-craft-awards.html पर उपलब्ध अछि ।
  • आवेदन पत्र: आवेदन पत्र http://www.craftvillage.org.in/international-craft-awards.html स डाउनलोड कैल जा सकल जाएत वा info@craftvillage.org.in पर ईमेल करू वा + 91-9910754364 पर कॉल क कए आवेदन मंगाउ ।
  • आवेदन क समयसीमा: आवेदन जमा करबाक अंतिम तिथि 30 अक्टूबर 2018 अछि ।

ज्ञात होए जे पिछला साल, इंटरनेशनल क्राफ्ट्स पुरस्कार क लेल 30 से बेसी देश से आवेदन भेटल छल आओर पुरस्कार लेल 13 देशक फाइनलिस्‍ट क चयन कैल गेल छल । क्राफ्ट विलेज एकटा सामाजिक उद्यम अछि , जे विभिन्न जागरूकता प्रोग्राम वर्कशॉप आओर इवेंट्स क माध्यम स, शिल्प आओर शिल्पकारक पुनरुद्धार आ उन्नयन लेल काज करैत अछि । ई पिछला तीन साल मे 7500 से बेसी शिल्प उत्साही शिल्पकारों कए प्रशिक्षित केने अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments