इंटरक परिणाम रहल मिथिलाक बेटी सबहक नाम

तीनू संकाय ( faculty) क टॉपर अहिबेर छात्रा  
लगभग 52.95 प्रतिशत परीक्षार्थी कएलक  पास 
पटना । बिहार बोर्ड केर 12वीं के’ परिणाम जारी कS देल गेल अछि। अही परीक्षामे साइंस स्ट्रीममे स्टेट टॉपर कल्पना अछि। कल्पना हालहिमे सीबीएसईक नीट  परीक्षामे पूरा देशमे टॉप कएने छलीह। कल्पना बोर्ड केर खुश होयबाक अवसर देलक अछि। अहि साल आएल परिणाम सँ बोर्डक छवि राष्ट्रीय स्तर पर सकारात्मक रूप सँ निखरल अछि।
बिहार बोर्डं पछिला किछु सालसँ मेधावी परीक्षार्थि सभक कारण कम आऔर फर्जी टॉपर के’ कारण बेसी चर्चामे रहैत अछि। पछिला दु साल सँ  परीक्षा आऔर मूल्यांकनमे चुस्त-दुरुस्त राखय लेल बोर्ड कएको डेग उठेलक,  मुदा , रूबी राय के’ बाद गणेश कुमार बोर्डक मेहनत पर पानि फेर देने छल।
अहिसँ पहिने बुधदिन करीब पौने पांच बजे शिक्षामंत्री कृष्णा नंदन शर्मा बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केर 2018 के’ इंटर परीक्षाक परिणाम जारी कएलक। इंटर केर परीक्षामे अहिबेर लगभग 52.95 प्रतिशत परीक्षार्थी पास कएलक। साइंस मे 44.5, आट्र्स मे 61 प्रतिशत परीक्षार्थी आ कॉमर्स मे 91.32 प्रतिशत परीक्षार्थी सफल भेल। परिणाम घोषित करैत बोर्डक अध्यक्ष आनंद किशोर बतौलनि कि अहिबेर तीनू संकायमे छात्रा सभ आगु रहलीह।
कल्पना 500 मे 434 अंक प्राप्त कएलीह। इंटर साइंस केर परिणाममे दोसर स्थान पर सिमुलतला के’ अभिनव आदर्श रहल। ओ 421 अंक प्राप्त कएलक जखन कि तेसर स्थान पर रूद्रेश रहल। कॉमर्समे आरडीएस कॉलेज केर निधि सिन्हा टॉपर भेलीह। ओ 434 अंक प्राप्त कएलीह, दोसर स्थान पर माला कुमारी रहलीह, माला 430 अंक प्राप्त कएलीह आ तेसर स्थान पर मोहम्मद इशाद जे नालंदाक अछि ओ 425 अंक प्राप्त कएलाह। कला संकायमे सिमुलतलाक कुसुम 424 अंककें साथ पहिल स्थान प्राप्त कएलीह। दोसर स्थान पर प्रियांगी मेहता रहलीह आ तेसर स्थान सिमुलतलाक प्रज्ञा प्रांजल प्राप्त कएलीह। अहिबेर उतीर्ण परीक्षार्थि सभक संख्या लगभग 53 प्रतिशत अछि।
शिवहर जिलाक दरियानी प्रखंडक नरवारा गामक कल्पना कुमारीक बाबू जी राकेश मिश्र सेहो अपन बेटीक उपलब्धि पर अत्यंत खुश अछि। कल्पना कुमारी केर इंटरक परीक्षामे 500 मे 434 अंक भेटलनि। अहिसँ पहिने ओ नीट 2018 मे देश भरि मे टॉपर रहलीह। कल्पना अहि परीक्षा मे कुल 99.99 परसेंटाइल अनलीह। अहिसँ पहिने कल्पना दसवीं परीक्षा 2016 मे जवाहर नवोदय विद्यालय शिवहर सँ प्रथम श्रेणी सँ उत्तीर्ण भेल छलीह।
ओ अही साल वाईजेएम कॉलेज तरियानी, शिवहर सँ इंटरक परीक्षा बिहार बोर्ड सँ देलक अछि। कल्पनाक बाबू जी राकेश मिश्र सीतामढ़ी, डुमरा स्थित डायटमे लेक्चरर अछि आ  माय  ममता कुमारी कन्या मध्य विद्यालय मे शिक्षक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments