भारत आ नेपालक बीच सीधा रेल सेवाक शुभारंभ 12 कए!

दरभंगा। भारत आ नेपाल क बीच सीधा रेल सेवा 12 नवम्बर स शुरू भ जायत। बथनाहा स बुधनगर तक रेलवे ट्रैक पर इंजन ट्रायल सफल रहल। एहि रेल सेवा क शुरु भेला स दूनू देशक बीच व्यवसायी आ पर्यटन क माहौल बढ़त। बथनाहा स विराटनगर तक रेल परियोजना क पहिल फेज पूरा भ गेल अछि। बुधनगर स विराटनगर तक भूमि अधिग्रहण क बाद परियोजना पूर्ण होयत।  एखन 8 किमी क कार्य पूर्ण भेल अछि। बाकी 10 किमी क कार्य अधिग्रहण क पेंच मे फंसल अछि। 370 करोड़ क लागत स बनि रहल एहि परियोजना क उद्घाटन प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 12 नवम्बर कए क सकैत छथि।
दोसर दिस नेपाल रेलवे सेहो जयनगर स्टेशन स रेल इंजन क ट्रायल इनरवा होइत खजुरी रेलवे स्टेशन तक कलक अछि। भारत नेपाल क बीच नेपाल रेलवे आमान  परिवर्तनक काज पूरा क लेलक अछि। बुधदिन करीब 100 साल पुरान एहि रेलखंड पर बङी रेल लाइन क ट्रायल इंजन क परिचालन कैल गेल भारत नेपाल नव रेल परियोजना क अंतिम चरण क निर्माण कार्य पूरा भलाक बाद एहि रेलखंड पर सेवा बहाल भ जायत। नेपाल रेलवे क जयनगर स्टेशन स निर्माण ऐजेन्सी एरकान इंटरनेशनल प्राइवेट लिमिटेड क महाप्रबंधक रवि सहाय आ जयनगर रेलवे स्टेशन अधीक्षक राजेश मोहन मल्लिक ट्रायल इंजन कए संयुक्त रूप स हरी झंडी देखा रवाना केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here