15 जून धरि जुडि जायत भारत आओर नेपालक रेल पटरी

जयनगर मे काज अंतिम चरण मे, अयोध्या स जनकपुर भाया सीतामढी क सपना होएत साकार

विनीत ठाकुर
जयनगर । दिल्ली इरकान क प्रोजेक्ट निदेशक दीपक सबलोक कहला अछि जे 15 जून धरि भारत आ नेपालक रेल पटरी एक दोसर स जुडि जायत । ओ जयनगर स वर्दीवास रेलखंड क निरीक्षण हेतु दिल्ली स जयनगर आयल छलाह। ओ वर्णित रेल खंड क निरीक्षण दू फेज मे कयल। प्रथम फेज मे जयनगर-बिजलपुरा मध्य खजुली , महिनाथपुर, वेदही ,परबाहा, कुर्थ ,जनकपुर समेत अन्य जगह सबहक निरीक्षण कयल।

निरीक्षण क क्रम मे श्री सबलोक अधिकारी सब कए 15 दिन मे भारतीय ब्राडगेज रेल के नेपाली ब्राडगेज रेल सँ जोड़बाक निर्देश देल जाहि सँ भारतीय क्षेत्र से ब्लास्ट सीधे मालगाड़ी द्वारा नेपाली रेल ट्रैक पर पहुँचाओल जा सकै।

निरीक्षण क उपरांत श्री सबलोक जनकपुर मे नेपाली अधिकारी लोकनि संग विशेष बैसक कएल जाहि मे नेपाली अधिकारी लोकनि सँ स्टेशन सब आ सब भवन मे शीघ्र बिजली कनेक्शन लगेवा लेल कहलन्हि। संगहि एहि रेल खंड से संबंधित अन्य विंदु सब पर विचार विमशज़् कयल।

श्री सबलोक छ मास क अन्दर ई दोसर दौरा कयल। हुनक पहिल दौड़ा 13-दिसम्बर 2017 के भेल छल आ जयनगर से वदीवज़स तक रेल खंड क निरीक्षण कयने छलाह।

एहि रेल खंड पर रेल सेवा शुरू होयबा क समय नजदीक भेला क कारणे अधिकारी सबहक दौरा जल्दी जल्दी भ रहल अछि। अक्टूबर मे दुनू देश क बीच रेल सेवा विजलपुरा तक शुरू हेयत।

श्री रवि सहाय, जी. एम. इरकान सेहो 15 दिन क अन्दर भारत -नेपाल ब्राडगेज रेल के जोड़ि मालगाड़ी द्वारा ब्लास्ट नेपाली रेल ट्रैक पर पहुँचबाक गप्प कहल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here