देश पहिरत नवादा क एसी जैकेट

बिहार मे बनाओल गेल अनोखगर AC जैकेट, शीघ्र बाजार मे होयत उपलब्ध

AC Jacketपटना । जाड़क माह बितए बला अछि । जैकेट आ गर्म कपड़ा क लोग पेटी मे बंद करबाक तैयारी क रहला अछि । मुदा एहि अनोखगर जैकेट कए देख अहां एकरा हरेक माह पहिरय चाहब । गर्मी होए वा सर्दी, हर मौसम मे पहरिय जाय वला ई जैकेट दू मिनटक अंदर क्लाइमेट कंट्रोल करैत अछि। एकरा लेल एहि मे ‘क्ला इमेट गियर’ लागल अछि।

जानकारी अनुसारे बिहारक नवादा मे निर्माणाधीन पूर्णत: देसी तकनीक स बनल ई जैकेट शीघ्र बाजार मे उपलब्ध भ जायत आ धूम मचाओत । केंद्र सरकार सेहो एकरा ल क गंभीर अछि । बिहार मे पहिल बेर पूर्ण देसी तकनीक स बनल एहि जैकेट कें लांच कैल गेल अछि । एहि मे तापमान घटेबा बढेबाक सुविधा सेहो अछि । एकरा निर्माण मे प्रयोग होइ वला सभ उपकरण सेहो देश मे बनल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें