किछुए काल मे आउत मैट्रिकक रिजल्‍ट, एना देखि सकय छी

पटना । बिहार बोर्ड अपन छीछालेदर करेलाक बाद आखिरकार आय 4:30 बजे अपन रिजल्‍ट आउट करबाक समय देलक अछि । हॅलाकि पहिने ई समय 11 :30 बजेक छल मुदा किछु कारण स ई आब 4:30 बजे खाओल जाएत ।

 

बिहार बोर्ड क ऑफिसियल साईट अखैन धरि नहि खुजि रहल अछि । आ जे साईट क दावा कैल जा रहल अछि ओ अखैन धरि अंडर मैटेनेंस देखा रहल अछि । एहन मे ई कहब अखनो मुश्‍किल अछि जे आय रिजल्‍ट समय पर आउत कि नहि । संभावना अछि जे एहि बेर दू तिहाई बच्‍चा सफल होएत । रिजल्‍ट क प्रतिशत 67-69 फीसदी रहबाक उम्‍मीद अछि । ज्ञात होए जे एहि बेर मैट्रिक मे कुल 17.24 लाख विद्यार्थी बैसल छलाह ।

विद्यार्थी अपन रिजल्‍ट एहि लिंक पर देखि सकैत छी । पहिने निचलका लिंक कए खोलू आ अपन रोल नंबर आ रोल कोड आ जन्‍मदिन DDMMYY फॉर्मेट दए कए सबमीट करू ।

http://www.biharboardonline.in/Result/Search_.aspx#!

http://biharboard.online/Result/Search_.aspx#!

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments