एक करोड़ क लागत से लहेरियासराय मे बनत हाई टेक पार्क

0
29
दरभंगा। केंद्र क अमृत योजना क तहत लहेरियासराय मे निगम अन्तर्गत दोसर हाई टेक पार्क निर्माण क बाधा दूर भ गेल अछि।  दरभंगा क शिवधार अवस्थित वैदेही नगर मे पहिल पार्क क निर्माण कयल जा रहल अछि। जमीन क अनुपलब्धता क कारणे दोसर पार्क क निर्माण लंबित छल। एहि पार्क हेतु डी एम सी अपन परिसर अवस्थित स्टेट बैंक ऑफ इंडिया क सामने वाला भू -खंड सशर्त उपलब्ध करौलक अछि।शर्तानुसार भू -खंड क स्वामित्व डी एम सी क रहत।
हाई टेक पार्क मे सब आयु वर्ग,  के ध्यान रखैत सब तरहक सुविधा ,यथा वाटर पुल ओपन एयर थियेटर, फ्लावर थीम गार्डन, पब्लिक आर्ट डिस्प्ले, चिल्ड्रेन प्ले एरिया,कैफेटेरिया, कलात्मक मांउट, शौचालय, मेडिटेशन क्षेत्र, गार्ड रूम , वाहन पार्किंग एरिया क संग अन्य सुविधा उपलब्ध रहत।
पार्क निर्माण क बाद देख रेख डी एम सी क द्वारा कयल जायत।

Comments

comments