सहरसा क भेटल सनेश, मुबंई लेल हमसफर ट्रेन शुरू

0
104

सहरसा । पहिने मन्‍टुनमा कए बड्ड दिक्‍कत होएत छल, मजुरी करबाक लेल बंबई जेबाक क्रम मे हुनका पहिने राज्‍यरानी स पटना जाए पड़ैत छल, फेर पटना मे भरि रात टीशन पर सुतलाक बाद अगला दिन बंबई क ट्रेन भेटैत छल । मुदा आब समय बदैल गेल अछि । नबका साल पर कोसीवासी कए एकटा नब सनेश भेटल छल । आब सहरसा स बंबई लेल सोझे ट्रेन चलत । ट्रेन कनी हाई-फाई अछि मुदा सुविधा से परिपूर्ण अछि ।

सहरसा से बांद्रा (मुंबई) क लेल हमसफर एक्सप्रेस (22913-22914) चलत। रेलमंत्री पीयूष गोयल काल्‍हि 22 जोड़ा ट्रेन कए विस्‍तारित केलथि जाहि मे बांद्रा पटना एक्सप्रेस कए एक्सटेंशन द कए सहरसा तक चलेबाक निर्णय लेल गेल ।

पूर्व मध्य रेलवे क मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमार क अनुसार कोसीवासी क सुविधा क लेल सहरसा-बांद्रा (मुंबई) साप्ताहिक ट्रेन चलाओल जाएत । जल्दिए एहि ट्रेन कए चलेबाक तिथि घोषित कैल जाएत । इस ट्रेन से खगड़िया, बेगूसराय संगे आन जगह क लोग सेहो लाभान्वित होएत ।

ई ट्रेन सहरसा स खगड़िया-बेगूसराय-पटना-जबलपुर-भूसावल-उधना-वलसाड होएत मुंबई पहुँचत । सहरसा से खुलबाक क बाद एकर बेगूसराय आ खगड़िया मे सेहो ठहराव देल गेल अछि ।

ज्ञात होए जे सहरसा क रास्ता कटिहार से आनंद विहार लेल चंपारण हमसफर एक्सप्रेस क परिचालन पहिने से कैल जा रहल अछि । आब सहरसा से मुंबई क लेल ट्रेन के परिचालन शुरु हेबाक बाद कोसीवासी कए महानगर जेबाक परेशानी से निजात भेटत।

Comments

comments