सरकार कए नहि भेट रहल अछि उच्च माध्यमिक स्कूल लेल शिक्षक

समदिया
पटना । उच्च माध्यमिक स्कूल लेल सरकार कए शिक्षक नहि भेट रहल अछि। खास क पटना मे स्थिति बेसी खराब अछि। एहि ठाम जे माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक स्कूल मे शिक्षक क नियोजन क प्रक्रिया चलि रहल अछि आ रिक्ति क अनुसार अभ्यार्थि सब आवेदन क रहल छथि ओ देखला स बुझाइत अछि जे एहि बेर सेहो जिला परिषद आ नगर निगम क उच्च माध्यमिक स्कूल मे भौतिकी समेत किछु विषय लेल शिक्षक क पद खाली रहि जायत। सीट बहुत अछि जखन कि आवेदन क संख्या बहुत कम।
पटना मे माध्यमिक मे 855 आ उच्च माध्यमिक मे 970 रिक्ति अछि। पटना जिला परिषद क उच्च माध्यमिक स्कूल मे भौतिकी शिक्षक पद लेल 92 रिक्त पद अछि, एहि पद लेल केवल एकटा आवेदन प्राप्त भेल अछि। पटना नगर क उच्च माध्यमिक स्कूल मे शिक्षक क रिक्ति 15 अछि, आवेदन एक अभ्यर्थी। एहिना उच्च माध्यमिक स्कूल मे गणित विषय मे 90 रिक्ति अछि, मुदा आवेदन सिर्फ  तीनटा। रसायन मे 83 सीट अछि, मुदा 10 टा अभ्यथि आवेदन केलथि अछि। नगर निगम क उच्च माध्यमिक मे 10 के आगू आवेदन नौ प्राप्त भेल। वनस्पति विज्ञान विषय लेल 18 रिक्ति अछि मुदा 12 अभ्यथि आवेदन केलथि।
प्रमुख तिथि
मेधा सूची क प्रकाशन : 16 अगस्त
मेधा सूची मे आपत्ति : 17 अगस्त से 02 सितम्बर
निराकरण की तिथि : 09 सितम्बर तक
फाइनल मेधा सूची : 13 सितम्बर तक
नियुक्ति प्रक्रिया : 15 से 19 सितम्बर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments