मधुमिता केलथि बिहार क नाम रौशन, गुगल देलक 1 करोड़ क पैकेज

रोहित कुमार सोनू

नई दिल्‍ली । बिहार क एकटा आर बेटी फेर से सूबा का नाम रोशन केलक । पटना क खगौल निवासी मधुमिता कए गुगल एक करोड़ क पैकेज पर हायर केने अछि । मधुमिता क पिताजी कुमार सुरेंद्र शर्मा हाजीपुर आरपीएफ मे सहायक कमांडेंट अछि । हुनकर परिवार मे कुल पांचटा लोग अछि । बहि‍न रश्मि कुमारी इंदौर अरविन्दा कॉलेज से एमबीबीएस कए रहल छलीह त छोट भाई हिमांशु शेखर बेंगलूरू क आरबी कॉलेज से इंजीनिर्यंरग कए रहल छथि । मधुमिता अपन काज लेल स्विट्जरलैंड विद भए गेल छलीह । ओपटना एयरपोर्ट से उड़ान भरलथि ।

मधुमिता कए विश्व क सबसे नामचीन कंपनी गूगल 7 राउंड क इंटरव्यू क बाद बजेने छल । हुनका सोमदिन स्विट्जरलैंड मे गूगल क कार्यालय मे ज्वॉइन केनाय अछि । मीडिया स गपक मधुमिता बतेलथि जे ओ गूगल मे काज करबाक संकल्प लेने छल । ओ कहलथि जे मर्सिडीज आ आमेजॉन जेहन पैघ कंपनी क सेहो ऑफर आयल छल मुदा गूगले मे ज्वाइन करबाक क हुनकर अटल इरादा छल । अपन उपलब्‍धि क श्रेय ओ अपन माँ बाबूजी आ गुरूजी कए दैत छथि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here