नियोजित शिक्षक लेल सुखद समाद, दरमाहा गेल बैंक मे

Niyojitपटना । प्रखंड आ नगर निकाय मे कार्यरत 66104 नियोजित शिक्षक क दरमाहा भुगतान क रास्ता साफ  भ गेल। राज्य कैबिनेट क बैसार मे  2015-16  लेल नियोजित शिक्षक क दरमाहा लेल 478.13 करोड़ मंजूर कैल गेल। इ पिछला चारि मास स बकाया दरमाहा छी।  उल्लेखनीय अछि जे एहि शिक्षक कए राज्य सरकार अपन संसाधन स दरमाहा दैत अछि। बाकी 2.56 लाख शिक्षक कए केंद्र प्रायोजित सर्व शिक्षा अभियान स दरमाहा देल जाइत अछि। एहि मे केंद्र आ राज्य क अनुपात 60:40 अछि।  बैसार मे सर्व शिक्षा अभियान क तहत 2015-16 लेल केंद्रांश क दोसर  किस्त क रूप मे 771.78 करोड़ मंजूर कैल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments