हउ काका एकटा पहलेजाघाट क टिकस द त

विशेष समदिया
Digha-Sonpur-Rail-Road-Bridge-readyपटना। बुधदिन भोर 8 बाजि कए 55 मिनट। पाटलीपुत्र जक्शन पर एकटा युवक टिकस खिडकी पर धरफराइत कहैत अछि..हउ काका एकटा पहलेजाघाट क टिकस द त…साल पहिने पहलेजाघाट लेल टिकस एक बेर फेर कटैत देखि नैनपनक बहुत रास गप मन पड़ल। महेंद्रुघाट स स्टीमर पर पहलेजा क यात्रा आ फेर पहलेजाघाट स गाम…। मुदा आब स्टीमर कहा…गंगा मे पुल बनि गेल आ पाटलिपुत्र जक्शन स सीधा बरौनी लेल ट्रेन…। 18 साल पहिने दखल सपना साकार भ रहल छल, आंखि पर विश्वास नहि भ रहल छल। कखनो रामविलास, कखनो अटल त कखनो नीतीश क छवि सामने आबि रहल छल, मुदा पहिल सबारी क रूप मे ट्रेन पर चढला बिहार क पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी आ हुनका संग भाजपा क तमाम पैघ नेता। इ सब गोटे पहलेजाघाट क टिकस लेने छलाह, किया त ओहि ठाम उतरि गेलाह। ट्रेन आगू वाया हाजीपुर-शाहपुर पटोरी होइत बरौनी पहुंचल। रेलवे एहि पुल पर स फिलहाल छह जोड़ी ट्रेन चलेबाक निर्णय लेलक अछि। ट्रेन प्रतिदिन मुजफ्फरपुर, बरौनी गोरखपुर तक चलत।

पाटलिपुत्र स मुजफ्फरपुर क दूरी आब महज 75 किलोमीटर भ गेल आ मुजफ्फरपुर स पाटलिपुत्र (75 किलोमीटर) क 25 टका भाड़ा।  मुजफ्फरपुर स पटना जक्शन (88 किलोमीटर)क 30 टका आ मुजफ्फरपुर स पहलेजा (64 किमी) क 15 टका। गाड़ी संख्या 55007/55008 गोरखपुर-सोनपुर सवारी गाड़ी कए सेहो पाटलिपुत्र तक आनल गेल। इ गाड़ी सोनपुर नहि जा परमानंदपुर-पहलेजाघाट होएत पाटलिपुत्र पहुंचल। गाड़ी संख्या 55008 गोरखपुर-पाटलिपुत्र पैसेंजर गोरखपुर स रात 01.20 बजे खुलिकए भोर  08.40 बजे छपरा पहुंचत। छपरा स भोर 08.50 बजे खुलि कए 10.13 बजे परमानंदपुर, 10.30 बजे पहलेजाघाट स्टेशन होइत  10.45 बजे पाटलिपुत्र पहुंचत। वापसी मे इ गाड़ी संख्या 55007 पाटलिपुत्र-गोरखपुर पैसेंजर पाटलिपुत्र स साझ छह बजे खुलत आ भोर 04.30 बजे गोरखपुर पहुंचत। गाड़ी संख्या 55210 नरकटियागंज-सोनपुर पैसेंजर नरकटियागंज स भोर  03.00 बजे खुलत आ 10.05 बजे पाटलिपुत्र पहुंचत। एकर अलावा गाड़ी संख्या 75213 सोनपुर-पाटलिपुत्र डेमू सवारी गाड़ी सोनपुर स भोर  07.20 बजे खुलत आ  07.45 बजे पाटलिपुत्र पहुंचत। गाड़ी संख्या 75214 पाटलिपुत्र-सोनपुर डेमू सवारी गाड़ी पाटलिपुत्र स राति 8.00 बजे खुलत रात 8.20 बजे सोनपुर पहुंचत।

दीघा पुल पर एक नजरि
प्रस्ताव 1997-98 क बजट मे
अनुमानित लागत- 600 करोड़
कैबिनेट स एनओसी नवंबर- 2001
निर्माण शुरू 2002-03 मे
समय सीमा वर्ष- 2007-08 मे
रेल सग रोड जुड़ल सितंबर- 2006
नव लागत- 1389 करोड़
समय सीमा- 2011
संशोधित राशि- 2921 करोड़
समय सीमा- मार्च 2015
इंजन ट्रायल- 8 अगस्त 2015
उद्घाटन 3 फरवरी 2016

पाटलिपुत्र जंक्शन स किराया (टका मे)
स्टेशन      पैसेंजर ट्रेन    मेल एक्सप्रेस    दूरी
सोनपुर       10                 30            16 किमी
हाजीपुर      10                 30            21 किमी
सीवान        30                55            125 किमी
छपरा कचहरी 15             40            62 किमी
छपरा          15                 40           64 किमी
सीतामढ़ी     30               60            140 किमी
बरौनी          30               55             130 किमी
शीतलपुर     10                30            29 किमी
मुजफ्फरपुर 20               45             75 किमी
परमानन्दपुर 10              30            17 किमी

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments