राज्य सरकार क निगरानी मे बनत गांधी सेतुक नव ढांचा

पटना । महात्मा गांधी सेतुक मरम्मतक काज अगिला साल शुरु भ जायत। केंद्र सरकार एहि लेल 1742 करोड टकाक आवंटन क देलक अछि। एहि काज क टेंडर भरबाक अंतिम दिन 15 जुलाई अछि। आइआइटी रुड़की सेहो 25 जुलाई कए पायाक मजबूती संबंधी अपन फाइनल रिपोर्ट सरकार कए सौंप देत। एकर बाद पाया क ऊपर बनल सुपर स्ट्रेक्चर कए तोडी कए लोहाक नव स्ट्रेक्चर बनेबाक काज शुरु होएत। जानकारीक अनुसार इ काज पश्चिम दिस स शुरु होएत, जाहि स पुल पर आवाजाही शुरु मे प्रभावित नहि होएत। स्ट्रेक्चर बदलबाक काज लेल चारि साल क समय निर्माण एजेंसी कए देल जा रहल अछि। चारि साल मे सही ढंग से काज संपन्न हुए एकरा लेल राज्य सरकारक एजेंसी कए एकर निगरानीक जिम्मा सौंपल जा रहल अछि। एकरा लेल एकटा सेपरेट यूनिट राज्य सरकार बनाउत। एहि मे 15टा इंजीनियर शामिल हेताह जे पुल निर्माण पर सतत नजरि रखतााह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments