
बोधगया (गया) । बिहार दिवस पर गया अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर विभिन्न देश स आयल विदेशी पर्यटक कए परंपरा क अनुसार भव्य स्वागत कैल गेल। हवाई मार्ग स आयल विदेशी पर्यटकों कए महाबोधि विद्यापीठ क छात्र-छात्रा आरती उतारि आ तिलक लगाकए स्वागत केलथि। हवाई अड्डा पर आश्चर्यजनक स्वागत देखि कईटा विदेशी पर्यटक हतप्रभ छलाह। स्वागत लेल तत्पर लोक सब पर्यटक कए बुझेलथि जे भगवान बुद्ध, भगवान महाविहार सहित कईटा विभूति क इ भूमि बिहार राज्य क आज स्थापना दिवस मना रहला अछि। हवाई अड्डा पर स्वागत समारोह जिला प्रशासन क पहल पर बोधगया महाबोधि मंदिर प्रबंधकारिणी समिति, बोधगया होटल एसोसिएशन आ ट्रेवल्स एसोसिएशन क संयुक्त तत्वावधान मे कैल गेल छल।
बिहार दिवस पर विदेशी पर्यटक क भेल भव्य स्वागत
Published: March 23, 2010Posted in: चित्रालय
