ओबामा चाहैत छथि बिहारक विकास


पटनाक खुदाबक्श ओरियंटल पब्लिक लाइब्रेरी क एलबम कए लोकार्पित करबा क बाद अमेरिकी राजदूत तिमोथी जे रोमर कहला जे हुनका राष्ट्रपति ओबामा बजा कए कहलथि, अहंा भारत जा रहल छी, मुंबई, दिल्ली, कोलकाता या हैदराबाद त जेबे करब, बिहार सेहो जाएब, हम चाहैत छी जे ओकरो बेहतर विकास भ सके। अहांक चारिटा बच्चा अछि। बच्चा कए शिक्षा कोना देल जा रहल अछि अहां बेहतर बुझि सकैत छी। स्कूल मे जा कए, ओहि ठामक हाल देखू।Ó राजदूत कहला, हम भारत क विभिन्न स्थान क भ्रमण करि रहल छी। शायद एतबा भ्रमण कोई आओर अमेरिकी राजदूत नहि केने छथि। अमेरिका भारत क विकास मे भागीदार बनए चाहैत अछि, ओ सेहो शिक्षा आ आधारभूत संरचना क विकास पर फोकस क संग।

Related posts:

  1. आमिर संग पटना मे थ्री इडियट्स देखताह नीतीश!
  2. नीतीश जारी केलथि अपन रिपोर्ट कार्ड
  3. सम्मान क रिक्शा चलेबाक आनंद
  4. प्रधानमंत्री स बिहार क गुहार, चाही पांच हजार करोड
  5. बीमारू नहि रहल बिहार