नि:शुल्क चिकित्सा जांच शिविर क आयोजन

0
110
मधुबनी।  रवि दिन मैक्स देवकी अस्पताल, साकेत दिल्ली आ माननीय विधायक समीर कुमार महासेठ क सहयोग स शहरक हृदय स्थली गिलेशन बाजार सुभाष चौक अवस्थित भवन मे नि:शुल्क हृदय चिकित्सा शिविर क आयोजन कैल गेल।
शिविर मे मुफ्त चेक अप, ब्लड शुगर आ हृदय रोगी सब के कुशल चिकित्सक द्वारा परामर्श देल गेल। मैक्स अस्पताल सँ डॉ विवेक कुमार, कंसल्ट कार्डियो फिजिशियन, डॉ जी एन. दुबे आ डॉ जे.एस. झा 200 से अधिक रोगी सबहक जाँच कयल।
एहि कार्यक्रम के सफल बनेबा मे रोटरी क्लब, मधुबनी, दिनेश नर्सिंग होम सकरी एवं ‘उम्मीद क एक किरणÓ क सदस्य सबहक योगदान प्रशंसनीय छल। कार्यक्रम मे डा. प्रकाश नायक, अध्यक्ष रोटरी क्लब, विमल जयसवाल, सचिव रोटरी क्लब, धर्म प्रकाश कर्ण, विवेक कुमार, अजय धारी सिंह, मनोज गाँधी, सचिन्द्र साहू, श्रवण मंडल, विजय चौधरी, रत्नेश जोशी ( मधुमेह सलाहकार ) उमेश झा एवं अन्य लोक सबहक योगदान प्रशंसनीय छल।

Comments

comments