फर्जी आईएएस अधिकारी धरयलाह

मधुबनी । रवि दिन जिलांतर्गत कलुआही ग्राम निवासी रोहित कुमार सिंह एस डी ओ कार्यालय पहुँचलाह आ हुंका से दिल्ली जेबाक हेतु एक रेल टिकट क  व्यवस्था करबाए के अनुरोध कयलन्हि। रोहित अपन विवादित जमीन के खाली करेबा लेल आई ए एस पदाधिकारी के रूपेँ एस डी ओ से सहयोग ल चुकल छलाह तेँ पूर्व परिचित होयबाक व कारणे ओ रेलवे पदाधिकारी से रोहिता लेल टिकट क व्यवस्था करवाक अनुरोध कयलन्हि। रोहित के नाम सुनितहिं रेल पदाधिकारी रोहित के फर्जी आई ए एस होयबाक सूचना देल। तुरंत एस डी ओ सुनील कुमार सिंह सदर डी एस पी कामिनी बाला के संग करैत रोहित के कलुआही में रुकबा लेल फोन कयलन्हि। कलुआही पुलिस के बेहोश सूचना देल। आदर क संग कलुआही पुलिस हुनका थाना अनलक आ। डी एस पी के पहुँचला पर पूछताछ की पश्र्चात हिरासत में लेलक।
एहि अवसर पर एस डी ओ श्री सुनील कुमार सिंह , डी एस पी कामिनी बाला, इंस्पेक्टर शिव कुमार,बी डी ओ कौशल कुमार, सी ओ दीनानाथ, थाना प्रभारी, रमेश कुमार शर्मा सहित अन्य पदाधिकारी उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments