सूचिता रखबा मे कटिहार स्टेशन सबस आगू

Katihar Railway Stationपटना । बिहार क रेलवे स्टेशन क स्वच्छता क मामला मे कटिहार कए पहि‍ल जखनकि किशनगंज कए तेसर स्थान भेटल अछि । बिहारक कटिहार रेल मंडल कए बेहतर पर्यटन क लेल पुरस्कृत कैल गेल अछि । कटिहार आओर किशनगंज कए ई उपलब्धि स्वच्छता क मामला मे भेटल अछि । मंडल क डीआरएम बतेलथि‍ जे पूरा देश मे पैघ स्टेशन मे पर्यटन कए बढ़ावा देबाक लेल आओर स्वच्छता अभियान चलेबाक लकए पिछला दिन रेल मंत्रालय क निर्देश पर एकटा कार्यक्रम क आयोजन कैल गेल छल । एहि आयोजन मे कटिहार रेल मंडल क न्यू जलपाईगुड़ी स्टेशन कए स्वच्छता मे दसवां स्थान भेटल अछि । कटिहार रेल मंडल क डीआरएम उमाशंकर सिंह बतेलथि‍ जे रेलवे लगातार अपन यात्री कए सुरक्षा क संग-संग सुविधा क मसला पर बेसी स बेसी देबाक प्रयास मे लागल अछि । डीआरएम कहलथि‍ जे बाहरी लोगक मोन मे एहि इलाका क स्टेशन कए लकए गंदगी बला परिकल्पना होएत अछि मुदा यात्री कए सहयोग क कारण कटिहार आओर किशनगंज कए पूरा बिहार मे ई उपलब्धि हासिल भेल अछि । डीआरएम कहलथि‍ जे लोग मे बगैर टिकट यात्रा करबाक लकए जागरूकता सेहो आयल अछि । एहिक लेल बिना टिकट यात्रा करनिहार यात्री क संख्या में रास कमी आयल अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments