खिलाड़ी सभक लेल जारी भेल तुगलकी फरमान, क्लब मे प्रैक्‍टिस करबा लेल देबए पड़त 25000 टाका

0
4
समस्तीपुर । अंडर 19 क्रिकेटक क्षितिज पर अपना नाम रोशन केनिहार समस्तीपुरक अनुकूल रायक गृह जनपद मे बास्केटबॉल खिलाड़ी सभकें सहयोग करबाक स्थान पर जिला प्रशासन तालिबानी फरमान जारी केलक अछि। एहि आदेशक अनुसार लाल कोठी मे खेलए वला खिलाड़ी सभक लेल 25 हजार टाका मेंबरशिप तय कयल गेल अछि।
समस्तीपुर शहरक लाल कोठी मे एक मात्र बास्केटबॉल खेलए वला कोर्ट अछि। एतए सं खेल सीख क युवा प्रतिभावान खिलाड़ी सभ राज्य स्तर धरि नाम रोशन केलनि अछि। एकर बादो जिला प्रशासनक ई निर्णय आश्चर्यचकित करए वला अछि। ओमहर एहि फरमानक बाद खिलाड़ी सभ मे जतए आक्रोश व्याप्त अछि ओतहि दोसर दिस खिलाड़ी सभक परिजन सेहो परेशान छथि। हिनका लोकनिक कहब छनि जे एक दिस राज्य सरकार खेल आ खिलाड़ी कें बढावा देबाक बात क रहल अछि तं दोसर दिस एहन निर्णय क रहल अछि। हुनका सभक अनुसार ग्रामीण परिवेश मे रहए वला बच्चा सभ 25 हजार टाका कतए सं लाओत। ओ सब जिला प्रशासन सं मांग केलनि अछि जे तुरंत एहि नियम कें वापस लेल जाय।
प्राप्त जानकारी अनुसार ई नियम अपर समाहर्त्ता किशोर कुमार आ क्लबक मेम्बर सभक द्वारा लगाओल गेल अछि। ओतहि एहि विषय पर जनतब दैत सदर एसडीओ अशोक कुमार मंडल कहलिन जे हुनका एहि तरहक नियमक बारे मे कोनो जानकारी नहि छनि। स्थानीय बदमाश लोक सभ कें रोकबा लेल प्रवेश पत्र निर्गत करबाक बात कहल गेल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page