रेल यात्री सबकए नवंबर सँ भेटत फ्लेक्सी फेयर स राहत : पियूष गोयल

फ्लेक्सी फेयर सँ कमाई त बढ़ल मुदा 20 प्रतिशत तक सीट खाली रहल

मणिभूषण झा

नई दिल्ली । रेलयात्री सबकए नवंबर सँ फ्लेक्सी फेयर सँ राहत भेटतनि । रेल मंत्रालय एहि संबंध मे कमिटी गठित केलक अछि जे एहि सप्ताह रिपोर्ट देत। एहि क बाद फ्लेक्सी फेयर सँ राहत क प्रक्रिया प्रारंभ होएत । रेलमंत्री पियूष गोयल मंगलदिन विशेष बातचीत मे ई बात कहलाह। फ्लेक्सी फेयर शुरु होबय सँ राजधानी, शताब्दी आ दूरंतो ट्रैन सबहक कमाई त बढ़ल मुदा लगभग 20% सँ बेसी सीट खाली चलय लागल । गोयल कहयथि जे फ्लेक्सी फेयर क समीक्षा हेतु जे कमिटी गठित भेल छल ओकर रिपोर्ट सँ हम स्वयं संतुष्ट नहिं छी त जनता सेहो संतुष्ट नहिं होईतथि । कमिटी सँ दुबारा रिपोर्ट मांगल गेल अछि । एहि सप्ताह मे कहियो रिपोर्ट आबि सकैत अछि । गोयल कहलथि, ” जेना हमसब कमिटी क सुझाव देलियनि, ओहेन रिपोर्ट आएत त मंजूर कए लेल जाएत”। एहि क लागू करय मे एक महीना लागत । चूंकि रिजर्वेशन 4 महिना पहिने शुरू भए जाएत अछि तें ई चारि महिना सेहो जोडय पड़त । एहन मे नवंबर सँ फ्लेक्सी फेयर मे राहत भेटनाई शुरू भय जायत । सीट खाली रहय के सवाल पर गोयल कहलथि, ” स्टडी मे पता चलल जे सीट फ्लेक्सी फेयर क वजह सँ खाली नहि रहल, साल मे किछु मास मे सवारी कम रहय छथि आ ट्रेन खाली रहैत अछि।”

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments