पटना मे खुलत बिहार क पहिल पशु विज्ञान विश्वविद्यालय

पटना । बिहार पशु विज्ञान विश्वविद्यालय क स्थापना होएत। इ विश्वविद्यालय बिहार पशु चिकित्सा महाविद्यालय पटना क परिसर में स्थापित होएत। एर संगहि जिला स्तर पर पशु चिकित्सालय क स्थापना करबाक सेहो एलान कैल गेल अछि, ताकि पशु कए चिकित्सा मे कोनो तरह क कठिनाई उत्पन्न न हो।
मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन सचिवालय संवाद मे पशु आ मत्स्य संसाधन विभाग क उच्चस्तरीय समीक्षा केलथि। बैसार मे ओ प्रधान सचिव पशु आ मत्स्य संसाधन नर्मदेश्वर लाल कए निर्देश दलथि जे एहि संबंध मे सबटा कार्रवाई यथाशीघ्र पूरा कैल जाये। मुख्यमंत्री एकर अलावा विभाग क तहत कार्यरत संस्थान आ योजना क पुनर्गठन करबाक लेल यथाशीघ्र प्रस्ताव अनबा लेल कहलथि। बैसार में इ निर्णय सेहो भेल जे मछली उत्पादन कए राज्य मे बढ़ावा देबा लेल फिश फेडरेशन आ फिश फिड मील क स्थापना क दिशा में आवश्यक कार्रवाई कैल जाये। बैसार में मुख्यमंत्री  मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह कए निर्देश देलथि जे अन्तरविभागीय मामला क निष्पादन हेतु एक राज्यस्तरीय समिति क गठन कैल जाये ताकि समस्या क त्वरित रूप स निष्पादन हो । बैठक मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अलावा पशु आ मत्स्य संसाधन मंत्री अवधेश कुमार सिंह, मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह, विकास आयुक्त शिशिर सिन्हा सहित सबटा संबंधित पदाधिकारी उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Dear madam ,
    Pls write something on education system of Bihar,because main problem arises from education system of Bihar.

Comments are closed.