पहिल बेर भेल उत्‍तर कोरिया आ अमेरिका क बीच करार

0
9

70 साल सँ दुश्मन देश क बीच पहिल मुलाकात
अमेरिका आ उत्तर कोरिया बीच पहिल बार कोनो करार, ट्रम्प सँ पहिने 12टा राष्ट्रपति रहलथि नाकाम

समदिया

सिंगापुर । 70 साल सँ दुश्मन रहल अमेरिका आ उत्तर कोरिया बीच पहिल बेर बातचीत भेल। अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प आ उत्तर कोरियाई तानाशाह किम जोंग-उन सिंगापुर में भेंट कयलथि । 71 सालक ट्रम्प 34 साल किम परमाणु हथियार पूरा तरह सँ खत्म करय पर राजी कए लेलथि । बदला में ट्रम्प हुनका सुरक्षाक पूरा गारंटी देलखिन्ह । उत्तर कोरियाक पैघ मांग मानैत ट्रम्प दक्षिण कोरिया संग संयुक्त युद्ध अभ्यास खत्म कएलथि । हालांकि, परमाणु निरस्तीकरण शुरु होबय तक उत्तर कोरिया पर प्रतिबंध जारी रहत । पहिल बेर भेंट भेल किम-ट्रंप 12 सेकंड हाथ मिलेलथि । दूनू गोटे 90 मिनट संग रहलथि, जहिमें 38 मिनट अले मे बात कयलथि । प्रतिनिधिमंडल संग लंच दौरान बात केलथि, संगहि गार्डेन मे संग टहललथि । दूनू गोटेक भेल करार पर हस्ताक्षर कएलथि । पछिला 70 साल मे अमेरिका आ उत्तर कोरिया मे ई पहिल करार अछि । अमेरिका क पछिला 12टा राष्ट्रपति एहिमें नाकाम रहि चुकल छथि।

पूर्वाग्रह छल रोड़ा, आब बदलाव होएत

“हमर सब इतिहास आ पूर्वाग्रह एहि दिशा में रोड़ा छल। हमसब ओकरा पार कए एतय आएल छी। दुनियाँ आब पैघ बदलाव देखत। नाईस टू मीट मि. प्रेसिडेंट।” – किम जोंग-उन

किम बहुत टैलेंटेड लोक

“भेंट शानदार रहल । हम सभगोटे नीक दिशा मे आगा बढ़़ि रहल छी । किम सँ एकटा खास रिस्ता बनि गेल अछि, ओ बहुत टैलेंटेड छथि आ अपन देश सँ बहुत प्रेम करय छथि ।”

समझौताक चारि पैघ बात

1. अमेरिका आ उत्तर कोरिया बीच शांति आ सौहार्द लेल प्रयास कयल जायत।

2. उत्तर कोरिया अपन परमाणु हथियार पूरा तरह खत्म कय देत। एहि पर अमल लेल दूनू देश फालोअप बातचीत करैत रहत। अमेरिका तरफ सँ माईक पोम्पियों एहिमें शामिल रहता।

3. युद्धबंदी आ सैन्य कार्रवाई दौरान गायब लोक एक दोसर वापस सौंपि देताह।

4. अमेरिका उत्तर कोरिया सुरक्षा भरोसा देलथि। दक्षिण कोरिया संग संयुक्त अभ्यास खर्चीला बता कय रद्द कयलथि। ट्रम्प एहि मुद्दा पर अगिला सप्ताह चर्चा करताह।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page